ओहै बखत येसु कहल्कै, “हे पिता स्वरग आ पिरथिबीके मालिक, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेत यि बातसब अहाँ बातसब बुधिमान आ बिदवान सबसे घोसाइरके राखलियै, महज बच्चासबमे परगट करलियै।
जै लोकमे परमेस्वरके आत्मा नै छै, उ लोक परमेस्वरके आत्माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहैन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्वरके आत्मासे मातरे बुझैले सकैछै।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।