17 कथिलेत बप्तिस्मा दैले नै महज सुसमाचार परचार करैके लेल खिरिस्ट हमरा पठेल्कै। हम परचार करैतखिना सन्सारके चलाक ग्यानसे नै करलियै, नै त खिरिस्टके कुरूसके सक्ति बेरथ हेतियै।
येसु युहन्नासे बेसी चेलासब बनाइछै आ बप्तिस्मा दैछै से बात फरिसीसब सुन्नेछै कैहके येसु जानल्कै।
(बास्तममे येसु आपनसे ककरो नै बप्तिस्मा देने रहै, बप्तिस्मा दैबला काम त ओकर चेलासब करैछेलै।)
तब पतरुस ओइसबके येसु खिरिस्टके नाममे बप्तिस्मा लैले आग्या करल्कै। तब उसब पतरुसके कन्हिक दिन हमरेसबसङे रहु कैहके अनुरोध करल्कै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके लग परमेस्वरके बारेमे गबाही दैले आबैतखिना बरका-बरका बातसब आ बुइधके धाख नै देखेलियौ।
जे बात हमसब परचार करैचियै, उ बातसब कोनो लोकके बुइधसे सिखेल्हा बातसब नै, महज पबितर आत्मासे सिख्याल बात बोलैचियै आ पबितर आत्मा पाबलहा लोकसबके आत्मिक सतके बातसबके अरथ खोइलदैचियै।
अइ बातमे हमसब गर्भ करैचियै आ हमरासबके बिबेक सेहो साक्छी दैछै कि, अइ सन्सारमे बिसेस कैरके ओइसबसङे समबन्धमे हमसब इमान्दार आ परमेस्वरमे पबितर जिबन बितेलियै। यि हमसब सन्सारके ग्यानसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे पाबनेचियै।
कतहेक लोक कहैछै, “पावलके चिठीसब गम्भीर आ करा हैछै, महज उ आपने हैतकाल कमजोर हैछै आ ओकर बोली कोनो महत्वके नै हैछै।”
हम बोलैमे फरहर लोक नहियो चियै त ग्यानमे कमके नै चियै। यि बात हमसब तोरासबके हर परकारसे साफ-साफ देख्यादेनेचियौ।
हमसब सब किसिमके घोसैरके करैबला सरमके कामसब त्यागनेचियै। हमसब धुर्त काम नै करैचियै नै त परमेस्वरके बचनके गलत हिसाबसे परयोग करैचियै। महज परमेस्वरके सामने हमसब खिरिस्टके बारेमे सत बात मातरे बोलैचियै, ताकि कोनो लोकसबके मनमे हमसब छल करैचियै कैहके दोस लगाइले नै पाबे।
जब अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके सक्ती आ आगमनके बारेमे तोरासबके कहलियौ, से हमसब चलाकिसे तोरासबके कोनो बनोतरी बात-कथामे नै कहलियौ महज ओकर बरका महिमा हमसब आपने आँखसे देखने छेलियै।