10 मन्डलीमे फुट आनैबलाके एक दुइ बेर चेता, यदी उ नै मानैछौ त ओकरसङे कोनो समबन्ध नै राख।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तोरासबके सिख्याल सिक्छाके बिपरित सिखाइबला लोकसबसे होसियार रह। यि तोरासबके फुट करेतौ आ बिस्बाससे बहकेतौ। ओहन लोकसबसे दुरे रह।
यदि कोनो लोक तोरासबलग आइबके एहैन सिक्छा नै सिखाइछौ त ओइसबके देहरीयोमे टपैले नै दहै आ गोरलगीयो नै कर।
उसब भक्ती करैबला रुप धारन त करैछै महज भक्तीके भितरी सक्तीके सुइकार नै करैछै। एहेन लोकसबसे दुरे रह।
तोरासबमेसे कोइगोरा हमसब यि चिठीमे लिखल आग्या नै मानैछौ त ओकरा डिठीयाइने रह। ओकरसङे सङहत नै राख ताकि उ लाजमे परे।
भाइसब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नाउमे हमसब तोरासबके यि आग्या करैचियौ कि, जे बिस्बासी लोकसब हमरासबके देल सिक्छा अनुसार नै चलैछै आ कोढिया छै ओकरासबके सङहतसे दुरे रह।
मुरतिपुजा, जादु-टोना, दुस्मनी, झै-झगरा, रिस, आरिस, आपने भलाइ नै सोच, मनमोटाब, गुटबन्दी,
तोरासबके अलमलमे राखैबलासब त खतना मातरे कथिले, बरु पुरे अङ काटलासे निक हेतियै।
तोरासबमेसे सत लोकसब चिन्हैके लेल तोरासबमे बेमेल होनाइ जरुरी छै।
दोसर बेर तोरासबके बिचमे हैतकाल हम तोरासबके चेताबनी देल जखा आब तोरासबके बिचमे नहियो चियै तैयो चेताबनी दैचियौ। हम फेर एबौ त पहिने पाप करलाहासबके आ औरो ककरो नै छोरबौ।
जहिनङे इजराएलीसबके बिचमे झुठा अगमबक्तासब छेलै, तहिनङे तोरोसबके बिचमे झुठा गुरुसब देखा परतौ। उसब गुपचुपेमे नास हैबला झुठा बातसब सिखाइतौ आ मुक्ती दैबला परभुके सेहो उसब इन्कार कैरके आपन उपर जल्दिए नास लाबतै।