1 महज तितस तु असल सिक्छा सङे मिलैबला बातसब मातरे सिखाबिहे।
खिरिस्ट येसुमे भेल बिस्बास आ परेममे अस्थिर रैहके हमरसे सिखल्हा असल सिक्छाके तु नमुना बैनके लोकसबके सिखा।
यदी कोइ झुठ सिदान्त सिखाबैछै आ आपन परभु येसु खिरिस्टके देल साँचो सिक्छा आ परमेस्वरके भक्ति हैबला सिक्छामे सहमत नै हेतै त,
ओकरा सिख्याल बिस्बासयोग्य बचनमे अस्थिर रहेपरतै ताकि औरोकेभी यि सतके बचनसे उत्साह देबेसकेबला हेबे आ यि सतके बचनसे बिरोध करैबलासबके सेहो गल्ती देखाइबला हेबे।
यि बातसब साँचोके चियै। हम चाहैचियै कि अइ बातसबमे जोर दिय, ताकि जे परमेस्वरमे बिस्बास करने छै उसब असल काममे धियान देबे। कथिलेकी यि सब लोकसबके लेल असल आ फाइदाके बात चियै।
अतबे नै बेबस्था त बेबिचार करैबलासबके लेल, समलिङगी सबके लेल, अपहरन करैबलासबके लेल, झुठ बोलैबला, झुठ किरिया खाइबलासबके लेल आ सत सिदान्तके बिरोधमे हैबला औरो बहुतो कामसबके बिरोधमे बनलछै।
जे बोलैबला बरदान पाबनेछै से परमेस्वरके बचनसे बोले। जे सेबा करैछै से परमेस्वरके देल सक्तिसे सेबा करे ताकी सब कामसे येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वरके परसन्सा हेबे। ओकर महिमा आ सक्ती सबदिन रहे। आमेन।