8 महज उ लोक मेजवानके स्वागत-सत्कार करैबला, भलाइके काममे मन लगाइबला, ग्यानी, इमान्दार, पबितर आ आपनके बसमे राखैबला हैकेचाही।
तै खातिर मन्डलीके एकटा अगुवा हैकेलेल यि जरुरी छै जे उ दोस बिनाके हैकेचाही, ओकरा एकेटा घरबाली हैकेचाही, उ धिरजी, सम्झदार, भलादमी, मेजमानसबके मान-दान आ लोकसबके असलसे सिखाइबला हैकेचाही।
तुसब आपन सब काममे ओइसबके अगा अपने-आपके असल नमुना बैनके देखा। तु इमान्दार आ गम्भीर भ्याके सिक्छा दहै।
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।
अपनासब जानैचियै कि मिरतुके मुहसे निकैलके जिबनमे पुइगगेल चियै कारन अपनासब एक दोसरके परेम करैचियै। जे लोकसब परेम नै करैछै उ मिरतुके बन्धनमे रहैछै।
महज तु परमेस्वरके जन भेलाके कारन यि बातसबसे दुरे रहिहे। तु परमेस्वरके निक लागैबला धारमिक जिबन जिहे आ बिस्बास योग्य, परेम, धिरज आ नमरतामे आपन मन लगा।
जबान भेलाके कारन कोइ नै तोरा निच ठाने। बरु तु बोलि-बचनमे, चाल-चलनमे, परेममे, बिस्बास आ पबितरतामे बिस्बासीसबके अगा एकटा नमुना बन।
हमसब बिस्बासीसब सङे रहैतकाल हमरासबके बेबहार पबितर, धारमिक आ निरदोस छेलै। तकर गबाही परमेस्वर आ तुसब अपने चिही।
ओइसबमे मया-दया नै रहैछै आ छमा नै करैछै। उसब दोसरके बारेमे चुगली लगाइबला आ राँड़ हैछै आ निक बातके मन नै पराइछै।
तैल्याके तु जबानीके अधलाह ललसासे दुर रह आ सुध हिरदयसे परभुके पुकारैबला सब सङे धारमिक्ता, बिस्बास, परेम आ सान्तीके पछा लाग।
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
जब पावल धरमी भ्याके काम करे परतै, आपन मनके बसमे राखे परतै आ आबैबला नियाइके बारेमे बोल्लै तब फेलिक्स डेरेलै आ कहल्कै, “अखुन जो, मौका मिल्तौ त हम फेनो तोरा बोलाइबौ।”