जै लोकमे परमेस्वरके आत्मा नै छै, उ लोक परमेस्वरके आत्माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहैन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्वरके आत्मासे मातरे बुझैले सकैछै।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।
परमपरभु कहैछै, ‘आबैबला दिनमे हम इजराएलके लोकसबसङे यि करार बान्हबै। तोरासबके मनमे हम आपन बेबस्था राइखदेबौ, तोरासबके हिरदयमे उ लिखदेबौ। हम तोरासबके परमेस्वर हेबौ आ उसब हमर लोक हेतै।’
अहै कारन आग्यासबमेसे सबसे छोट आग्याके नै मान्तै आ लोकसबके ओहिनङ करैले सिखाइतै, से स्वरगके राजमे सबसे छोट कहाइतै। महज जे उ आग्यासब पालन करतै आ सिखाइतै, स्वरगके राजमे उ बरका कहाइतै।
जब हम बेबस्था नै भेलसबके बिचमे छेलियै, खिरिस्टमे उसब बिस्बास करे कैहके हम बेबस्था नै भेलसब जखा भेलियै। अकर मतलब हम मोसाके देल बेबस्था नै मानैचियै कैहके नै कहैचियौ। हम त झन खिरिस्टके बेबस्थाके मानैचियै।