6 पाप स्वभाबके इक्छामे चलैबला लोकके मिरतु हेतै, महज जे पबितर आत्मामे मन लगेतै, उ अनन्त जिबन आ सान्ती पाबतै।
जे आपन पाप स्वभाबके लेल रोपैछै, उ आपन पाप स्वभाबसे सर्बनासके कटनी करतै। महज जे आत्माके लेल रोपैछै, उ आत्मासे अनन्त जिबनके कटनी करतै।
पाप स्वभाबके इक्छामे चलैबला लोक परमेस्वरके बिरोधी रहैछै, कथिलेत उसब परमेस्वरके बेबस्था पालन नै करैछै आ करैयोले नै सकैछै।
यदि तुसब पाप स्वभाबके इक्छा अनुसार चलबिही त, तुसब मरबिही। महज पबितर आत्माके सक्तीसे पाप स्वभाबके नास करबिही त, तुसब अनन्त जिबन पाबबिही।
महज येसु खिरिस्टके स्वभाबके धारन कर आ पापी स्वभाबके इक्छा पुरा करैबला बातमे धियान नै दहै।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
महज पबितर आत्माके फलसब- परेम, आनन्द, सान्ती, धिरज, दया, भलाइ, बिस्वस्तता,
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
जे कामसबसे तुसब अखैन लाज मानैचिही तै कामसबसे तोरासबके कथि फैदा भेलौ? कथिलेत ओइ कामसबके परिनाम त मिरतु चियै।
कथिलेत परमेस्वरके राज खाइ-पियैबला चिज नै, महज पबितर आत्मासे आबैबला धारमिकता, सान्ती आ आनन्द चियै।
अपनासब एक समय देहके पाप स्वभावमे जिबन बिताइत रहियै। ओइ बखत पापी स्वभाव बेबस्थाके बिरोधमे अपनासबके बहुत पाप करैले लगेल्कै आ मिरतुके भागिदार बनेल्कै।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
कथिलेत पाप बेबस्था दुवारा मौका पाइबके हमरा छल करल्कै आ ओहैके हथियार बनाके हमरा मारल्कै।
कथिलेत अपनासब परमेस्वरके सतरु भेल बखत ओकर बेटाके मिरतु दुवारा अपनासबके आपनसङे मिलापमे आनल्कै। अपनासब ओकर सङी भेलाके कारनसे उ आपन बेटाके जिबनसे अपनासबके बचाइतै।
ओहैसे हमसब खिरिस्टमे बिस्बास करलाके कारन परमेस्वरके अगा धरमी ठहरलचियै आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वरसङे अपनासबके मिलाप भेलछै।
हे पिता, सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँसङे हमर जे महिमा छेलै, ओह्या महिमासे आब अहाँके अगा हमरा महिमीत करु।
परमेस्वर सब लोकसबके हिरदयके भेद जानैछै। पबितर आत्मा कथि कहैले चाहैछै ओकर अरथ परमेस्वर जानैछै, कथिलेत पबितर आत्मा परमेस्वरके इक्छा अनुसार परमेस्वरके लोकसबके लेल परथना करैछै।