39 नै त अकास, नै त पताल, सिरिस्टीके कोनो सक्ती अपनासबके परमेस्वरके परेमसे अलग करैले नै सक्तै। कथिलेत खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर अपनासबके परेम करने छै।
कोन बातसे अपनासबके खिरिस्टके परेमसे अलग करैले सक्तै? अपनासबके दुख, कठिनाइ, सताबट, नाङट आ भुखल रहैबला अबस्था आबैले सक्तै। अपनासब कोनो भारी बिपतमे या मरैयोले सक्बै महज यि कोनो चिजसे अपनासबके खिरिस्टके परेमसे अलग करैले नै सक्तै।
महज अपनासब पापी भेल बखत खिरिस्टके अपनासबके लेल बलिदान द्याके परमेस्वर अपनासबके लेल महान परेम देखेल्कै।
हमसब एक-दोसरके परेम करैचियै कथिलेकी परमेस्वर हमरासबके पहनिये परेम करल्कै।
कथिलेकी परमेस्वर सन्सारके लोकसबके एहेन परेम करल्कै कि उ आपन एकलौता बेटाके देल्कै। ओकर उपर बिस्बास करैबला नास नै हेतै, महज उ अनन्त जिबन पाबतै।
उ सन्सार सिरिस्टी करैसे पैहनिए खिरिस्टमे अपनासबके आपन अगा पबितर आ निरदोस करैले छान्ने छेलै।
परमेस्वर अपनासबके परेम करैछै कैहके हमसब जानैचियै आ ओकर परेममे पुरा बिस्बास छै। परमेस्वर परेम चियै। जे परेममे रहैछै उ परमेस्वरमे रहैछै आ परमेस्वर ओकरमे बास करैछै।
हम ओकरासबके अहाँके चिन्हादेनेचियै आ अहाँके चिन्हाइते रहबै, ताकि जे परेम अहाँ हमरा करलियै, ओह्या परेम ओइसबमे रहे आ हम ओइसबमे रही।”
पिता आपनेसे तोरासबके परेम करैछौ, कथिलेत त तुसब हमरा परेम करनेचिही आ हम परमेस्वर लगसे एलचियै से तुसब बिस्बास करनेचिही।
आहा! परमेस्वरके धन, ग्यान आ बुधि कतहेक महान छै! ओकर निरनय करल बातके बखान कोइ नै करैले सकैछै। ओकर काम करैबला तरिका कोइ नै बुझैले सकैछै।
जनङ सैतान साँपके रुप ल्याके चलाकिसे हब्बाके ठगल्कै, ओहिनङ खिरिस्ट परती तोरासबके इमान्दारी आ सुध भक्तीसे तोरासबके मन बहकतौ कि हमरा तकर डर लागैये।
ताकी सैतान हमरासबके फसाबैके मौका नै पाबे, कथिलेकी ओकर जुक्तीके बिसयमे हमसब अनजान नै चियै।
कथिलेत झुठा खिरिस्ट आ झुठा अगमबक्तासब देखा परतौ। सम्भब त अचमके कामसब आ चेन्हासब देख्याके परमेस्वरके छानल लोकसबके बहकेतौ।
जब एक हजार बरिस पुरा हेतै तब सैतानके ओकर कैदसे मुक्त कैरदेतै।
आबसे जाती-जातीके लोकसबके नै ठगे कैहके स्वरगदुत ओकरा नरकमे फेकदेल्कै आ बन कैरके मोहर लग्यादेल्कै। एक हजार बरिस बितलाकेबाद कुछ देरके लेल खोइलदेतै।
महज उ जानबर आ ओकर अगा अचमके चेन्हा देखाइबला झुठा अगमबक्ता दुनु पकराउमे परलै। एहैन अचमके कामसे झुठा अगमबक्ता ओइ जानबरके छाप लगाइबला आ मुरती पुजा करैबलासबके बहकाइने छेलै। दुनुके जिबिते आइगके धिधरामे फेक देल्कै।
पहिन्का जानबरके लेल देखाइबला अजगुतके चेन्हासब दुवारा उ सन्सारके सब लोकसबके बहकेल्कै। तरबारके बहौत गैहर चोटसे निक भेल ओइ जानबरके सम्मानमे एकटा मुरती बनाबैके आदेस दोसर जानबर सन्सारके लोकसबके देल्कै।
अहिनङे उ अजेगर, जे पहिन्का साँप चियै, जकर नाम दुस्ट आत्मा आ सैतान सेहो चियै, जे पुरे सन्सारके भरमाके राखने छेलै, ओकरा आ ओकर दुतसबके सङे स्वरगसे पिरथिबीमे फेक्नेछेलै।
महज एहेन खराब सिक्छामे नै लागल आ सैतानके भितरी रहसके बात नै मानैबला थिआटिरामे भेल औरो लोकके कहैचियौ कि, हम तोरासबके औरो कोनो भारी आग्या नै देबौ।
बेबस्था भङ करैबला लोक आपने बरका भ्याके लोकसब परमेस्वर मानैबला सब चिजसबके आ पुजा-पाठ करैबला सब चिजके बिरोध करतै। उ त परमेस्वरके मन्दिरमे बैठके उ आपनेके परमेस्वर चियै कहतौ।
तुसब रोम सहरमे भेल सब लोकसबके परमेस्वर परेम करैछै, जे परमेस्वरके पबितर लोक हैकेलेल बोल्यालगेलछै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
ओहैसे जेसब येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैछै, तकरासबके परमेस्वर दन्ड नै दैछै।
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।
साँचोके कहबै त, खिरिस्ट येसु हमर परभुके चिन्हैले पाबैबला अनमोल बातके तुलनामे औरो सब बातके हम बेकार सम्झैचियै। खिरिस्टके पाबैले सकी कैहके ओकरलेल हम सबबातके नोक्सानी भोगने चियै आ सब चिजके मैला सम्झैचियै,
हम लक्छमे पहिनेसे पुइग गेल चियै, या हम पहिनेसे सिध भेलचियै कैहके नै कहैचियौ, महज यिसब पकरैके लेल अगा बैढरहल चियै, जै बातके लेल खिरिस्ट हमरा चुनल्कै।