33 परमेस्वरके चुनल लोकसबके के दोस लगाइले सक्तै? कोइ नै सक्तै, कथिलेकी उ आपनेसे ओकरासबके आपन अगा धरमी ठहरेनेछै।
ओहैसे जेसब येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैछै, तकरासबके परमेस्वर दन्ड नै दैछै।
कि परमेस्वरके आपन जनसब रात-दिन ओकरा पुकारतै त ओइसबके नियाइ नै करतै? कि उ आपन लोकसबके सहायता करैले देर करतै त?
हे हमर भाइसब, हमरासबके यि बात थाहछै कि परमेस्वर तोरासबके परेम करैके कारन तोरासबके चुन्ने छौ।
कथिलेत झुठा खिरिस्ट आ झुठा अगमबक्तासब देखा परतौ। सम्भब त अचमके कामसब आ चेन्हासब देख्याके परमेस्वरके छानल लोकसबके बहकेतौ।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।
महज अखुन्का समयमे परमेस्वर उसबके पापके लेखा लैछै कथिलेत उ आपने धरमी छै आ येसुमे बिस्बास करैबलासबके धरमी ठहराबैछै कैहके उ साबित करैछै।
परमेस्वर अबराहमके कहल्कै, “तोरेसे पिरथिबीके सब जातिके लोकसब आसिस पाबतै।” अनङ परमेस्वर गैर-यहुदीसबके बिस्बाससे धरमी ठहराइतै कैहके पबितर धरमसास्तर पहिनेसे असल समाचार सुनाइने छेलै।
हम पावल परमेस्वरके सेबक आ येसु खिरिस्टके परेरित यि चिठी लिखरहलचियै। परमेस्वरके चुनल लोकसबके बिस्बासमे बलगर बनाइले आ ओइसबके सतके ग्यान दैले परमेस्वर हमरा पठेल्कै। उ ग्यान परमेस्वरके इक्छा अनुसार जिबन जियैले सहायता करैछै।