30 जकरा जकरा परमेस्वर पहिनेसे चुनल्कै, उ ओकरासबके बोलेबो करल्कै। जकरा बोलेल्कै ओकरासबके आपन नजरमे धरमी ठहरेल्कै। जकरा जकरा धरमी ठहरेल्कै, ओकरासबके आपन महिमामे सहभागी सेहो करेल्कै।
उसब थुमाके बिरोधमे लराइ करतै महज थुमा आपनसङे बोल्याल, छानल आ बिस्बास योग्यसबके ल्याके ओकरासबके जित्तै कथिलेत उ परभुसबके परभु आ रजासबके रजा चियै।
अपनासबके थाहछै कि, परमेस्वरके परेम करैबला आ ओकर उदेस्य अनुसार बोल्याल लोकसबके लेल सब बातमे परमेस्वर भलाइ करैछै।
कथिलेत सब बात परमेस्वरके योजना आ इक्छा अनुसार भेलछै। परमेस्वर अपनासबके आपन खुसिसे खिरिस्टमे छानल्कै। यि बात उ पहिनेसे करल योजना अनुसार भेल छेलै।
ओहै कारनसे परमेस्वरके परतिग्या करल सबदिन रहैबला अनन्त उतराधिकारी पाबे कैहके उ बोलेल्हासबके लेल खिरिस्ट लया करारके मिलाप कराबैबला चियै, कथिलेत पहिन्का करारके समयमे लोकसबके करल पापसे छुटकरा दैले उ मरलै।
उ आपन उदेस्य अनुसार अपनासबके परेम कैरके येसु खिरिस्टमे आपन सन्तान हैले पहिनेसे छान्ने छेलै।
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।
तोरासबमेसे कतहेक गोरे एक समयमे अहिनङे छेल्ही, महज तुसब आब परभु येसुके नाममे आ परमेस्वरके आत्मासे धोबल गेलचिही, पबितर भेलचिही आ धरमी ठहरल चिही।
खराबीके बदला खराबी या अपमानके बदला अपमान नै कर। बरु खराबीके बदला आसिस दहै, कथिलेकी यह्या करैके लेल परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ तुहुसब आसिस पाबबिही।
जे महिमा अहाँ हमरा देनेचियै, ओह्या महिमा हम ओइसबके देनेचियै, ताकि जहिनङे हम आ अहाँ एक चियै तहिनङे ओहोसब एक हेबे।
तैल्याके हे भाइसब, परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ चुन्ने छौ से बात आपन जिबनमे परमानित करैले एकदम कोसिस करैतरह। तुसब एहैन करबिही त, बिस्बाससे कहियो नै गिरबिही।
परमेस्वर बिस्बास योग्य छै। उ आपन बेटा, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टसङे सङगतीमे रहैके लेल तोरासबके बोलाइल्कौ।
तोरासबके चालचलन परमेस्वरके नजरमे योग्य हेबे से उदेस्यसे हमसब तोरासबके अरतिउपदेस, उत्साह आ बिन्ती करैत रहलियौ। कथिलेकी परमेस्वर आपन राज आ महिमामे तोरासबके सहभागी हैकेलेल बोलाइछौ।
कोरिन्थ सहरमे भेल परमेस्वरके मन्डलीके, जकरा खिरिस्ट येसुमे पबितर बनाइनेछै आ ओकर पबितर जन हैकेलेल बोलाइल्कै आ चारुदिसनसे जे परभु येसुके पुकरा करैछै। ओह्या ओइसबके आ अपनासबके परभु चियै।
यि बात एकदम सत छै, यदी हमसब ओकरसङे मरल चियै त, ओकरेसङे जिबै।
तब स्वरगदुत हमरा अनङ कहल्कै, “यि लिख, उसब धैनके चियै, जेसब थुमाके बियाहके नौता पाबल्कै।” उ हमरा फेनसे कहल्कै, “एह्या परमेस्वरके सत बचनसब चियै।”
“हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
तुसब कुछ समय कस्ट भोग्लाके बाद, अनुगरहसे भरल अपनासबके परमेस्वर, जे तोरासबके खिरिस्टमे अनन्त महिमामे सहभागी हैकेलेल बोलाइनेछौ। उ आपनेसे तोरासबके फेनसे अस्थापना करतौ, सिध करतौ, बलगर बनाके अस्थिर कराइतौ।
तोरासबके साँचोके जिबन त खिरिस्टे चियौ। जखैन उ परगट हेतौ तखैन तुसब ओकरे महिमामे परगट हेब्ही।
देह एके चियै आ पबितर आत्मो एके चियै। तहिनङ तोरासबके एके आसामे बोलाइनेछौ।
अपनासबके अखैन भोगल दुख पछा आबैबला बरका अनन्तके सुख समैझके त साँचे यि कुछो नै चियै।
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
परमेस्वर अपनासबके येसु खिरिस्टसङे जिबित कराइल्कौ आ ओकरेसङे स्वरगिय ठामसबमे राज करैले देल्कौ।
ओहैसे जेसब येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैछै, तकरासबके परमेस्वर दन्ड नै दैछै।
तोरासबके सेहो ओकरेसबकेसङे येसु खिरिस्टके लोक हैले बोलाइनेछौ।
सिरिस्टी आपनेसे बिनासके बन्धनसे एक दिन छुटकरा पाइबके परमेस्वरके सन्तानके महान छुटकरामे सहभागी हेतै।
कथिलेत परमेस्वर आपनेसे देल बरदान कहियो फिरता नै लैछै आ बोल्यालसबके कहियो नै छोरैछै।
महज हमसब त परमेस्वरके गुप्त आ घोसारल ग्यानके परचार करैचियै, जे सिरिस्टी हैसे पैहनिए परमेस्वर अपनासबके महिमाके खातिर नियुक्त करने छेलै।
तोरासब खिरिस्टके अनुगरहमे बोलाइबला परमेस्वरके अतहेक जल्दी बिसैरके दोसर सुसमाचार दिसन लागल देखके हमरा त एकदम ताजुब लाइगरहल छै।
महज हमर जलम हैसे पैहनैये परमेस्वर हमरा अलग करल्कै आ अनुगरहसे हमरा आपन काम करैले बोलाइल्कै।
यि कामसब त साँचोके तोरासबके बोलाइबला परमेस्वर नै करनेछौ।
परमेस्वर यि बात आपन अनन्त योजनाके अनुसार अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे पुरा करल्कै।