14 परमेस्वरके आत्मा अनुसार चलैबलासब परमेस्वरके बेटा-बेटीसब चियै।
महज तुसब पबितर आत्माके अगुवाइसे चलैचिही त, तुसब बेबस्थाके अधिनमे नै चिही।
जेसब ओकरा सुइकार करल्कै आ ओकरमे बिस्बास करल्कै, तैसबके उ परमेस्वरके धियापुता हैके हक देल्कै।
कथिलेत बिस्बाससे येसु खिरिस्टमे तुसब परमेस्वरके सन्तान भेलचिही।
अहैले हम कहैचियौ, पबितर आत्माके अगुवाइसे चल आ लोक आपन पापी स्वभाबके ललसा पुरा नै कर।
जे कोइ जित्तै, उ यि सब अधिकार पाबतै। तब हम ओकर परमेस्वर हेबै आ उ हमर बेटा हेतै।
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।
हम तोरासबके पिता हेबौ आ तुसब हमर बेटा-बेटी हेब्ही कैहके सबरसक्तीमान परमपरभु कहैछै।”
तुसब परमेस्वरके बेटा-बेटी भेलासे उ आपन बेटाके आत्मा अपनासबके हिरदयमे राइखदेनेछै, जैसे “हे अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
आपन पाप स्वभाबके अधिनमे चलैबला लोक पापे स्वभाबके इक्छामे मन लगाइछै महज पबितर आत्मा अनुसार चलैबला लोक पबितर आत्माके इक्छामे मन लगाबैछै।
यदि साँचोके परमेस्वरके आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, तुसब पाप स्वभाबके अधिनमे नै, महज पबितर आत्माके अधिनमे रहैचिही। यदि कोनो लोकमे खिरिस्टके आत्मा नै छै त, उ खिरिस्टके लोक हेबे नै करतै।
कथिलेत इजोतके फल त सब किसिमके भलाइ, धारमिकता आ सत्यता चियै।
परमेस्वर आपन बेटा-बेटीसबके परकट करैबला दिनके सारा सिरिस्टी भारी उतसुकताके साथ असियालछै।
अकर मतलब, अबराहमके सब सन्तान परमेस्वरके बेटा-बेटी नै चियै, महज परमेस्वर देबौ कैहके परतिग्या करल बेटा-बेटी मातरे अबराहमके सन्तान चियै।
उ आपन उदेस्य अनुसार अपनासबके परेम कैरके येसु खिरिस्टमे आपन सन्तान हैले पहिनेसे छान्ने छेलै।
तब “जै ठाममे यहुदी बाहेक औरो लोकसबके एहेन कहलगेलै, ‘तुसब हमर परजा नै छेल्ही’, ओहै ठाममे ‘आब जिबित परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइबिही।’”
धैनके चियै मेल-मिलाप कराइबलासब, कथिलेत उसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइतै।
बेबस्थाके अधिनमे रहैबलासबके दाम तिरके छुटकरा दैले उ पठ्याल गेलै ताकि हमसब बेटाके पुरा हक पाबैले सकी।
जे परमेस्वरके आग्यासब पालन करैछै, उ सबगोरा ओकरेमे रहैछै आ परमेस्वर ओकरासबमे रहैछै। परमेस्वर अपनासबमे बास करैछै से बात परमेस्वरके द्याल पबितर आत्मासे हमसब जानैचियै।