24 हम केहन दुखी लोक चियै! पाप आ मिरतुके कैदमे रहल देहके हमरा के छुटकरा करेतै?
हमसब यि जानैचियै कि अपनासबके पुरन्का स्वभाब ओकरसङे कुरूसमे टाङलगेलछै, ताकी अपनासबके पापी स्वभाब नास हेबे आ आबसे पापके दास नै हेबी।
हँ, परभु हमरा सब परकारके खराबिसबसे बचेतै। उ हमरा बच्याके आपन स्वरगिय राजमे ल्याजेतै। ओकर गुनगान जुगो-जुग तलिक हैतरहे। आमेन।
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
कथिलेत परमेस्वरके आत्मा येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके अनन्त जिबन दैछै। अपनासबके पापके नियम आ मिरतुसे छुटकरा दैछै।
परमेस्वर ओकरासबके आँखके पुरे लोर पोइछदेतै। ओते मिरतु, सोक, बिलाप आ दुख नै हेतै। कथिलेत पुरन्का सब बात बित गेलछै।”
तब मिरतुके डरसे जिबनभैर बन्धनमे परलहासबके उ छुटकरा देल्कै।
ओहिनङे पबितर आत्मा अपनासबके बिस्बासमे कमजोर हैतकाल मदत करैछै। कनङ परथना करैछै कैहके सब्दमे बेक्त करैले नै सैकके कुहरैत बखत पबितर आत्मा अपनासबके लेल परथना कैरदैछै।
यदि तुसब पाप स्वभाबके इक्छा अनुसार चलबिही त, तुसब मरबिही। महज पबितर आत्माके सक्तीसे पाप स्वभाबके नास करबिही त, तुसब अनन्त जिबन पाबबिही।
“परमपरभुके आत्मा हमर उपरछै, गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै। बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल, अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
तुसब खिरिस्टमे होनाइ साँचोके खतना पाबनाइ चियौ। लोकके हाथसे लगाइबला खतना नै महज खिरिस्टसे खतना भेलचिही। यि खतना तोरासबके पाप स्वभाबके सक्तीसे छुटकरा पाबैके लेल चियै।
धैनके चियै धारमिकताके खातिर भुखल-पियासलसब, कथिलेत उसब अघाइतै।
धैनके चियै सोक करैबलासब, कथिलेत ओइसबके सान्ती मिल्तै।
सिरिस्टी करल चिज मातरे नै, अपनोसब भितरे भितर दुखसे कुहरैचियै। अपनासब परमेस्वरके परतिग्याके रुपमे पबितर आत्मा पाबनेचियै। ओहैसे अपनोसबके कहिया पुरा हकबला ओकर सन्तान बनेतै आ सब खराब बातसे अपनासबके देहके छुटकरा देतै कैहके असियाल चियै।