22 कथिलेत हमर मन परमेस्वरके बेबस्थामे आनन्दित हैछै।
परमपरभु कहैछै, ‘आबैबला दिनमे हम इजराएलके लोकसबसङे यि करार बान्हबै। तोरासबके मनमे हम आपन बेबस्था राइखदेबौ, तोरासबके हिरदयमे उ लिखदेबौ। हम तोरासबके परमेस्वर हेबौ आ उसब हमर लोक हेतै।’
ओहैसे हमसब कहियो हरेस नै खाइचियै। अपनासबके सारिरीक बल घटैत ज्यारहलछै, तैयो अपनासबके भितरी आत्मिक बल दिन-दिने लया हैत ज्यारहलछै।
ओकर महान सम्पैत आ आत्मासे तोरासबके सक्ती मिले। उ सक्ती तोरासबके आत्म बल बरहैत जाए कैहके हम परमेस्वरसङे परथना करैचियौ।
बरु तोरासबके भितरी हिरदयके नरम आ सान्त आत्माके नास नै हैबला मोतिसे सजा, जे परमेस्वरके नजरमे बहौत मोलके चियै।
पाप स्वभाबके इक्छामे चलैबला लोक परमेस्वरके बिरोधी रहैछै, कथिलेत उसब परमेस्वरके बेबस्था पालन नै करैछै आ करैयोले नै सकैछै।
तुसब एक-दोसर सङे झुठ नै बोल कथिलेत तुसब आपन पुरन्का स्वभाब आ ओकर आनि-बानी छोइर देने चिही।
येसु ओइसबके कहल्कै, “हमर खाइबला चिज यि चियै, जे हम आपन पठाबैबलाके इक्छा बमोजिम करनाइ आ ओकर काम पुरा करनाइ चियै।
साँचो यहुदी त हिरदयके भितरसे परमेस्वरके अगा सत ठहरैले परतै। तब साँचो खतना त देहके बाहरमे लगाइबला खतना नै महज परमेस्वरके आत्मा पाइबके हिरदय भितरेसे परिबरतन होनाइ चियै। एहेन लोक, लोकसबसे नै महज परमेस्वरसे आदर पाबैछै।