21 हमर जिबनमे एकटा नियम काम करने छै कैहके थाह पाबलियै। जब हम भलाइके काम करैले चाहैचियै, तब दुस्ट इक्छा सेहो हमरसङे रहैछै।
महज हमर देहमे कोनो दोसर नियम काम करैत थाह पाबैचियै। उ पापके नियम हमर आपन मनसे चाहना करल नियमके बिरोधमे उठैछै आ हमरा पापके दास बनाइछै।
ओहैसे सब बातमे उ आपन भाइ-भैयासब जखा बनैले आबस्यक छेलै। ताकि उ परमेस्वरके सेबामे दयालु आ बिस्बासयोग्य परधान पुजारी बन्लै आ लोकसबके पाप छमा दैकेलेल उ आपने बली भेलै।
कथिलेत परमेस्वरके आत्मा येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके अनन्त जिबन दैछै। अपनासबके पापके नियम आ मिरतुसे छुटकरा दैछै।
पाप तोरासबमे अधिन नै करे, कथिलेकी तुसब बेबस्थाके अधिनमे नै, महज परमेस्वरके अनुगरहमे बचल चिही।
अहैलेल देहके अभिलासा अनुसार चलैले नै परे कैहके तोरासबके मरनसिल देहमे पापके अधिन करैले नै दहै।
ओइसबके स्वतन्तर कराबैके परतिग्या करैछै महज उसब आपने भरस्टताके दास चियै, कथिलेकी लोक जे चिजके बसमे पैर जाइछै, उसब ओहै चिजके दास बैन जाइछै।
कथिलेत अपनासबके परधान पुजारी अपनासबके दुरबलतामे साथ नै दैबला पुजारी नै चियै। उ अपनेसब जखा सब बातमे परिक्छामे परलै महज तैयो पाप नै करल्कै।
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “हम साँचे तोरासबके कहैचियौ, जे पाप करैछै, उ पापके दास चियै।
येसु पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके यरदन लदीसे जब घुम्लै तब पबितर आत्मा येसुके उजार जगहमे ल्यागेलै।
हम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै। येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर हमरा छुटकरा दैछै। तैल्याके आपन हिरदयमे परमेस्वरके बेबस्था पालन करैचियै महज हमरमे भेल पाप स्वभाब हमरा पापके नियमके अधिनमे राखैछै।