2 अहँ, ओनङ करनाइ ठिक नै छै। पापेके खातिर अपनासब मरल चियै, तब कनङके पाप करैत जियैले सक्बै?
परमेस्वरके बेटा-बेटी पाप नै करैतरहैछै कथिलेत परमेस्वरके स्वभाब ओकरमे रहैछै। उ पाप करे नै सकैछै कथिलेत उ परमेस्वरसे जलमल रहैछै।
कथिलेत तोरासबके पुरन्का जिबन मरलछौ आ तोरासबके लया जिबन खिरिस्टसङे परमेस्वरमे घोसरलछौ।
अहैलेल हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब खिरिस्टसङे बेबस्थाके लेल मरल चिही त तुसब सेहो खिरिस्टेसङे मरलसे जिबित भ्याके एक भेलचिही, ताकी अपनासब परमेस्वरके लेल असल काम करैले सकी।
हमसब पापके लेल मैरके धारमिकताके लेल जियैले सकि कैहके खिरिस्ट अपनासबके पापसबके खातिर आपन देहमे पाप बोइकके कुरूसमे मरलै। ओकर चोटसबसे तुसब निक भेलचिही।
कथिलेत हम त बेबस्थाके पालन करैले खोजलियै त ओह्या बेबस्था हमरा दोस लगेल्कै। तब परमेस्वरके लेल जिये सकी कैहके बेबस्थाके पालन कैरके मुक्ती पाबैके लेल कोसिस करैले छोइरदेलियै।
महज अपनासबके अधिनमे राखैबला बेबस्थाके लेल मैरके आब ओइसे छुटकरा पाबनेचियै, ओहैसे अपनासब पुरन्का लिखल बेबस्था अनुसार सेबा नै करैचियै, महज पबितर आत्माके देल लया बिधी अनुसार परमेस्वरके सेबा करैचियै।
तुसब आग्याकारी धिया-पुता जखा रह। अन्जानमे रहै बखत अधलाह इक्छा अनुसार जनङ करैछेल्ही तनङ नै कर।
तुसब खिरिस्टसङे मैरके यि सन्सारके आधारभुत सिदान्तसबसे छुटकारा पाबनेचिही त, कथिले तुसब यि सन्सारके नियमसब पालन करैचिही?
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके कुरूस बाहके औरो कोनो चिजमे घमन्ड करैबला बात हमरसे दुरे रहे। ओकर कुरूसके कारन हमर लेल सन्सारके लोभ लालचसब मरल छै आ सन्सारके लेल हम मरल चियै।
अतबेक नै, महज अपनासबके परभु खिरिस्ट दुवारा अपनासब परमेस्वरमे आनन्द मनाबैचियै कथिलेत ओकरे दुवारा अपनासबके परमेस्वरसङे मिलाप भेलछै।
उ आइबके सब बटिदारसबके माइरदेतै आ अङगुर खेत औरो लोकसबके द्यादेतौ।” लोकसब यि बात सुइनके कहल्कै, “एहेन कहियो नै हेबे!”
माइनले हमसब बेबस्थाके अधिनमे नै चियै, महज परमेस्वरके अनुगरहके अधिनमे चियै त, कि पाप करबै? कदापी नै।