15 माइनले हमसब बेबस्थाके अधिनमे नै चियै, महज परमेस्वरके अनुगरहके अधिनमे चियै त, कि पाप करबै? कदापी नै।
कथिलेकी परमेस्वरके आदर नै करैबला कोइ-कोइ पैहनिए दोसी ठहरल लोकसब तोरासबके बिचमे ककरो थाह नै द्याके ढुकल छौ। उसब परमेस्वरके नै मानैछै। परमेस्वरके देल अनुगरहके अधलाह कामसब करैले हथियार बनाइनेछै तब येसु खिरिस्टके एक मातरे परभु आ मालिक चियै सेहो कहैले इन्कार करैछै।
अहैलेल हे हमर पिरिय सङीसब, परमेस्वर अपनासबके देल यि परतिग्या अनुसार देह आ आत्माके असुध बनाबैबला हर किसिमके बातसे अपनासब दुरे रह आ परमेस्वरके डर मानैत औरो पबितर हैत चल।
ओहेन छै त, कि हम यहुदीसब औरोसे असल चियै त? कदापी नै चियै। यहुदी आ गैर-यहुदी दुनु समान रुपसे पापके अधिनमे छै कैहके हम पहिने देखाइने चियौ।
उ आइबके सब बटिदारसबके माइरदेतै आ अङगुर खेत औरो लोकसबके द्यादेतौ।” लोकसब यि बात सुइनके कहल्कै, “एहेन कहियो नै हेबे!”