21 पहिने पापके सक्ती सब लोकसबके पाप करैले लगेल्कै आ मरलै। आब परमेस्वरके दयासे हमसब ओकर अगा धरमी ठहरैचियै आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा अनन्त जिबन पाबैछै।
कथिलेत परमेस्वरके अनुगरह सब लोकसबके मुक्ती दैले परकट भेल छै।
तैयो आदमके समयसे लेके बेबस्था लिखैबला मोसाके समयतलिक मिरतु सब लोकसबमे राज करल्कै। लोकसब आदम जखा त पाप नै करल्कै तैयो उहोसब मरलै। आदमके करल पापके नतिजा सब लोकसब पाबल जखा खिरिस्टके करल कामके नतिजा सेहो सब लोक पाबतै। अनङ आदम त पछा आबैबला खिरिस्टके नमुना छेलै।
यदि खिरिस्ट तोरासबमे छौ त, तोरासबके देह पापके कारनसे मरतौ तैयो तोरासबके आत्मा सबदिनके लेल जिबित रहतौ, कथिलेत परमेस्वर तोरासबके आपन अगा धरमी बनाइनेछौ।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
पाप तोरासबमे अधिन नै करे, कथिलेकी तुसब बेबस्थाके अधिनमे नै, महज परमेस्वरके अनुगरहमे बचल चिही।
सिरिस्टीके पहिन्का लोक आदम दुवारा सन्सारमे पाप एलै आ ओकरे पापसे मिरतु एलै। अहिनङ कैरके लोकसबमे मिरतु फैलगेलै कथिलेत सबकोइ पाप करने छेलै।
एकेटा लोक आदमके करल पापके कारन सब लोकसब मरैछै। महज असल बात यि चियै कि, परमेस्वर परसस्त अनुगरह आ धारमिकताके बरदानसे लोकसबके धरमी ठहराइल्कै। अनङ उसब एकेटा लोक येसु खिरिस्ट दुवारा जिबन पाबतै।
तुसब कुछ समय कस्ट भोग्लाके बाद, अनुगरहसे भरल अपनासबके परमेस्वर, जे तोरासबके खिरिस्टमे अनन्त महिमामे सहभागी हैकेलेल बोलाइनेछौ। उ आपनेसे तोरासबके फेनसे अस्थापना करतौ, सिध करतौ, बलगर बनाके अस्थिर कराइतौ।
तुसब जकर आग्यापालन करैचिही ओकर दास हैचिही से तोरासबके थाह छौ। तुसब पापके दास भ्याके ओकर आग्यापालन करबिही त मरबिही, महज परमेस्वरके आग्यापालन करबिही त, तुसब ओकर अगा धरमी ठहरबिही।
उ अपनासबके एकटा परतिग्या करने छै, उ परतिग्या अनन्त जिबन चियै।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके दास आ परेरितके तरफसे अपनासबके परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके धारमिकतासे अपनेसब जखा अनमोल बिस्बास पाबैबलासबके लेल यि चिठी लिखरहल चियै।
अहैलेल अपनासब परमेस्वरके अनुगरहके सिंहासनके अगा निडर भ्याके चल आ खाचो परलहा समयमे सहायता पाबैके लेल किरपा आ अनुगरह पाबैले सकी।
अबराहम बेबस्था पालन करलाके कारनसे नै महज परमेस्वरमे करल बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलाके चल्ते परमेस्वर ओकरा आ ओकर बेटा-बेटीसबके सन्सारके हकबला बनाबैके परतिग्या करल्कै।
हम ओकरासबके अनन्त जिबन दैचियै, उसब कहियो नै नास हेतै आ कोइ नै ओकरासबके हमर हाथसे छिनके लजाबे सक्तै।
अहैलेल देहके अभिलासा अनुसार चलैले नै परे कैहके तोरासबके मरनसिल देहमे पापके अधिन करैले नै दहै।
तब उसब दन्डके भागिदार हेतै, महज धरमीसब अनन्त जिबन पाबतै।”
तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ आपनौरके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।