18 सन्तानके आसे नै भेल बखत “तोहर सन्तान अकासके तरा जतहेक बहुत हेतौ” कैहके परमेस्वरके देल परतिग्यामे अबराहम आसा आ बिस्बास करैले नै छोरने रहलै। तब पाछु बहुतो जातीके पुरखा बन्लै।
कथिलेत अहै बरका आसाके लेल परमेस्वर अपनासबके बचेल्कै आ हमसब अहै आसामे बाचल चियै। आसा त अपनासबके नै देखल चिज पाबैले असिएनाइ चियै। लोक पहिने पाबलहा चिजके आसा नै करैछै।
अहै आसाके कारन हमसब निरास नै हेबै कथिलेत परमेस्वर अपनासबके पबितर आत्मा देने छै आ पबितर आत्मासे परमेस्वर अपनासबके हिरदयमे आपन परेम भरनेछै।
अहै खातिर हे हमर भाइ-भैयारीसब साहस कर। कथिलेत परमेस्वरमे हम पुरा बिस्बास करैचियै कि जनङ हमरा कहनेछै तैहनङ हेबे करतै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै “हम तोरा सन्सारके सब जातीके पुरखा बनाइने चियौ।” मरलसबके जिबन दैबला आ असतित्वमे नै भेल चिजके असतित्वमे लाबैबला परमेस्वरमे अबराहम बिस्बास करल्कै।
तब जकरिया स्वरगदुतके कहल्कै, “यि साँचोके हेतै से हम कनङके जान्बौ? हम आ हमर घरबालीयो बुढ भ्यागेलियै।”
अबराहमके उमेर लगभग सय बरिस पुगल छेलै आ उ जानैत रहलै कि हमर यि देहसे आब किछो नै हेतै आ उ यिहो जानैछेलै कि साराके बच्चा जलमाइले असम्भवछै। तैयो उ बिस्बासमे कमजोर नै भेलै।
जनङ एकटा लङगर जहाजके अस्थिर राखैछै तहिनङ यि आसा अपनासबके सुरक्छीत आ अस्थिर राखैछै। उ आसा येसु चियै। उहे अपनासबके स्वरगिय मन्दिरके परदा भितर महापबितर ठाममे गेलै।