27 ओहेन छै त कथिके लेल घमन्ड करबै? घमन्ड करैबला बाते नै चियै। बेबस्था पालन कैरके लोक धरमी नै हैछै, महज खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मातरे धरमी हैछै।
मोसाके बेबस्था हमरासबसङे छै कैहके तुसब धाख लगाइचिही, महज ओकरा तुसब पालन नै कैरके कथिले परमेस्वरके अनादर करैचिही?
यदि असल काम कैरके अबराहम धरमी ठहरतियै त, उ घमन्ड करैले सकतियै। महज परमेस्वरके अगा ओकरा घमन्ड करैबला कोनो ठामे नै छै।
महज येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके परमेस्वरके परतिग्याके आसिस पाबैले सके कैहके सबके पापके अधिनमे राखल छै कैहके धरमसास्तर कहैछै।
महज तुसब आपनेके यहुदी चियै कैहके बेबस्थामे भर परैचिही आ परमेस्वरके चिन्हैचियै कैहके घमन्ड करैचिही।
हमर जिबनमे एकटा नियम काम करने छै कैहके थाह पाबलियै। जब हम भलाइके काम करैले चाहैचियै, तब दुस्ट इक्छा सेहो हमरसङे रहैछै।
तैयो लोक बेबस्था पालन कैरके धरमी नै ठहरैछै महज खिरिस्ट येसुमे भेल बिस्बास दुवारा धरमी ठहरैछै कहैबला बात जाइनके हमसब आपनेसे सेहो बेबस्थाके काम दुवारा नै बरु खिरिस्टके बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलचियै कैहके येसु खिरिस्टमे बिस्बास करलियै कथिलेकी बेबस्थाके काम दुवारा कोइयो नै धरमी ठहरल जेतै।
के तोरासबके औरोसे बरका बनेल्कौ? कि तोरासबसङे जे छौ, उ परमेस्वर नै देल्कौ? यदि तुसब उ पाबनेचिही त, कथिले घमन्ड करैचिही?
यि त परमेस्वरके अनुगरहसे भेल छै, धरम-करमसे नै, नै त परमेस्वरके अनुगरह बेरथ हेतियै।
बेबस्था पालन कैरके धरमी हैके बारेमे मोसा एहेन लिखने छै, “जे बेबस्थामे लिखल बात पालन करैछै, उ तहैसे असल जिबन जियैछै।”
कथिले नै सक्लै? कथिलेत इजराएलीसब बिस्बास नै कैरके धरम-करमसे मातरे परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले ताकल्कै। तैल्याके बिस्बास नै करैबला आ धरम-करम मातरे करैबलाके लेल येसु खिरिस्ट ठेस लागैबला पथल भेलै।
जौवा बच्चा जलमैसे पहिने आ उसब असल या खराब काम करैसे पहिने परमेस्वर एक गोरा चुनल्कै। अनङ परमेस्वरके चुनैबला काम ओकर काम-काज देखके नै महज आपन उदेस्य अनुसार हैछै से साफ-साफ देखाइछै।
कथिलेत परमेस्वरके आत्मा येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके अनन्त जिबन दैछै। अपनासबके पापके नियम आ मिरतुसे छुटकरा दैछै।
हम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै। येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर हमरा छुटकरा दैछै। तैल्याके आपन हिरदयमे परमेस्वरके बेबस्था पालन करैचियै महज हमरमे भेल पाप स्वभाब हमरा पापके नियमके अधिनमे राखैछै।
महज हमर देहमे कोनो दोसर नियम काम करैत थाह पाबैचियै। उ पापके नियम हमर आपन मनसे चाहना करल नियमके बिरोधमे उठैछै आ हमरा पापके दास बनाइछै।
बेबस्थाके बात त बेबस्थाके अधिनमे रहैबला लोकसबके लेल चियै कैहके हमरासबके थाहछै। ओहैसे परमेस्वर सन्सारके नियाय करैतखिना हम पाप नै करनेचियै कैहके बहाना बनाबे नै सक्तै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
महज अखुन्का समयमे परमेस्वर उसबके पापके लेखा लैछै कथिलेत उ आपने धरमी छै आ येसुमे बिस्बास करैबलासबके धरमी ठहराबैछै कैहके उ साबित करैछै।
महज इजराएलीसब बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले बहुत कोसिस करल्कै तैयो धरमी ठहरैले नै सक्लै।