24 महज परमेस्वरके अनुगरहसे खिरिस्टमे बिस्बास करैबला लोकसबके मङनिएमे पापसे धरमी ठहराइल्कै।
ओकरेमे अपनासबके छुटकारा आ पाप छमा छै।
खिरिस्ट बलिदान भ्याके आपन लहुसे अपनासबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहरेनेछै। ओहैसे खिरिस्ट दुवारा औरो बेसिसे अपनासबके परमेस्वरके करोधसे बचेतै।
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
ओहैसे परमेस्वरके परतिग्या बिस्बास दुवारा पाबैबलाके यि ओकर अनुगरहमे भर परैछै। यि परतिग्या बेबस्था पालन करैबला अबराहमके सन्तानसबके लेल मातरे नै महज अबराहम जखा बिस्बास कैरके जियैबलासबके लेल चियै, कथिलेत अबराहम सबके पुरखा चियै।
परमेस्वरके कारन तुसब खिरिस्ट येसुमे चिही, परमेस्वर खिरिस्ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्कै।
तैहनङे मानबोके बेटा दोसरसे सेबा लैले नै, महज सेबा करैले आ बहौत लोकसबके पापसे छुटकारा दैके खातिर आपन परान दैले एलछै।”
उ सबलोकके छुटकाराके मोल तिरैके लेल अपने-आप बलिदान भेलै। अइ बातके साक्छी परमेस्वर ठिक समयमे देल्कै।
तोरासबमेसे कतहेक गोरे एक समयमे अहिनङे छेल्ही, महज तुसब आब परभु येसुके नाममे आ परमेस्वरके आत्मासे धोबल गेलचिही, पबितर भेलचिही आ धरमी ठहरल चिही।
उसब अनङ कहैत एकटा लया गित गाबल्कै, “यि कागतके मुठा लैले आ अकर लाहटके तोरेके योग्य अहाँ मातरे चियै, अहाँ मारल गेलियै आ आपन लहुसे अहाँ परमेस्वरके लेल सब कुल, भसा, जाती आ देसके लोकसबके छुटकरा देलियै।
हम ओकरा कहलियै, “गुरु जी, हमरा थाह नै छै। अहिके थाहछै।” उ हमरा कहल्कै, “उसब त बरका भारी सताबट सैहके एलछै आ उसब आपन-आपन बस्तर थुमाके लहुसे धोइबके उजर बनाइनेछै।
काम-काज करैबलाके बोइन देल जाइछै। उ बोइन दान नै चियै महज पसिनाके कमाइ चियै।
महज हमसब बिस्बास करैचियै कि परभु येसुके किरपासे अपनासबके मुक्ती मिलल छै, जनङ उसबके मिलल छै।”