23 कथिलेत सबलोक पाप करने छै आ परमेस्वरके महिमा तक पुगैले चुकल छै।
ओहेन छै त, कि हम यहुदीसब औरोसे असल चियै त? कदापी नै चियै। यहुदी आ गैर-यहुदी दुनु समान रुपसे पापके अधिनमे छै कैहके हम पहिने देखाइने चियौ।
महज येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके परमेस्वरके परतिग्याके आसिस पाबैले सके कैहके सबके पापके अधिनमे राखल छै कैहके धरमसास्तर कहैछै।
कथिलेत सबलोक दया पाबे कैहके परमेस्वर ओइसबके अटेरमे छोइरदेनेछै।
तोरासबके चालचलन परमेस्वरके नजरमे योग्य हेबे से उदेस्यसे हमसब तोरासबके अरतिउपदेस, उत्साह आ बिन्ती करैत रहलियौ। कथिलेकी परमेस्वर आपन राज आ महिमामे तोरासबके सहभागी हैकेलेल बोलाइछौ।
बेबस्थाके बात त बेबस्थाके अधिनमे रहैबला लोकसबके लेल चियै कैहके हमरासबके थाहछै। ओहैसे परमेस्वर सन्सारके नियाय करैतखिना हम पाप नै करनेचियै कैहके बहाना बनाबे नै सक्तै।
अहै खातिर अपनासबके सुनाएल सुसमाचारसे परमेस्वर तोरासबके बोलाइल्कौ। हमरासबके परभु येसु खिरिस्टके महिमा तोरोसबके मिले कैहके उ तोरासबके बोलाइनेछौ।
बरु खिरिस्टके दुख-कस्टमे सहभागी हैले पाबलियै कैहके आनन्द मना। जब उ आपन महिमाके सङे फेनसे एतै, तै बखत तुसब औरो आनन्द मनाइले सके।
खिरिस्ट हमरासबके बिस्बास दुवारा परमेस्वरके अनुगरहमे लाबने छै। यह्या अनुगरहके हमसब अखुन अनुभव करैचियै आ परमेस्वरके महिमामे सहभागी हैके आसमे आनन्द मनाबैचियै।
उसब परमेस्वरके सत ग्यानके बेकाम ठानल्कै। ओहैसे परमेस्वर ओकरासबके ओहैसबके कुबिचारमे छोइरदेल्कै।
तुसब कुछ समय कस्ट भोग्लाके बाद, अनुगरहसे भरल अपनासबके परमेस्वर, जे तोरासबके खिरिस्टमे अनन्त महिमामे सहभागी हैकेलेल बोलाइनेछौ। उ आपनेसे तोरासबके फेनसे अस्थापना करतौ, सिध करतौ, बलगर बनाके अस्थिर कराइतौ।
हम एकटा मन्डलीके एल्डर चियै आ खिरिस्टके भोगल दुख-कस्टके आपनेसे देख्ने चियै आ पछा आबैबला महिमामे सहभागी हेबै। ओहैसे हम तोरासबके बिचमे भेल एल्डरसबके बिन्ती करैचियौ।
अपनासबके बिसराम देबौ कैहके परमेस्वरके करल परतिग्या अखुनो छै। ओहैसे होसियार रह आ उ बिसरामके ठाममे ढुकैले तोरासबमेसे कोइ नै छुटे।