20 बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे कोइयो नै धरमी ठहरतै कथिलेत लोकसब पापी छै से बात त बेबस्थे बताइछै।
तैयो लोक बेबस्था पालन कैरके धरमी नै ठहरैछै महज खिरिस्ट येसुमे भेल बिस्बास दुवारा धरमी ठहरैछै कहैबला बात जाइनके हमसब आपनेसे सेहो बेबस्थाके काम दुवारा नै बरु खिरिस्टके बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलचियै कैहके येसु खिरिस्टमे बिस्बास करलियै कथिलेकी बेबस्थाके काम दुवारा कोइयो नै धरमी ठहरल जेतै।
येसुमे बिस्बास करैबला जतहेक छै से सब पापसे छुटकारा पाबने छै, जे बात मोसोके लिखल धरम-नियमसे पुरा करे नै सक्ने रहै।
बेबस्था पालन कैरके नै महज खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मातरे परमेस्वरके अगा धरमी ठहराबैछै से बात हमसब जानैचियै।
कथिलेत हम त बेबस्थाके पालन करैले खोजलियै त ओह्या बेबस्था हमरा दोस लगेल्कै। तब परमेस्वरके लेल जिये सकी कैहके बेबस्थाके पालन कैरके मुक्ती पाबैके लेल कोसिस करैले छोइरदेलियै।
कथिलेत बेबस्था भङ करैबलासब उपर परमेस्वरके करोध परैछै। महज जते बेबस्था नै छै ओते भङ करैबला बाते नै छै।
कथिले नै सक्लै? कथिलेत इजराएलीसब बिस्बास नै कैरके धरम-करमसे मातरे परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले ताकल्कै। तैल्याके बिस्बास नै करैबला आ धरम-करम मातरे करैबलाके लेल येसु खिरिस्ट ठेस लागैबला पथल भेलै।
लोकसब अपना कतहेक पाप करनेचियै से जानैके लेल परमेस्वर ओकरासबके बेबस्था देल्कै। लोकसबके पाप जतहेक बरहैत गेलै परमेस्वरके अनुगरह ओतहेक बेसिसे बरहैत गेलै।
अबराहम बेबस्था पालन करलाके कारनसे नै महज परमेस्वरमे करल बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलाके चल्ते परमेस्वर ओकरा आ ओकर बेटा-बेटीसबके सन्सारके हकबला बनाबैके परतिग्या करल्कै।
बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले चाहैबला खिरिस्टसे अलग भेलचिही आ ओकर अनुगरहसे दुर भेलचिही।
परमेस्वर बेबस्था दैसे पहिने सन्सारमे पाप छेलै। महज बेबस्था नै भेलाके चल्ते पापके कोनो हिसाबो नै लैछेलै।
कथिलेकी बेबस्था सुइनके मातरे लोकसब परमेस्वरके नजरमे धरमी नै ठहरतै महज बेबस्था पालन करैबलासब धरमी ठहरतै।
कथिलेत पाप बेबस्था दुवारा मौका पाइबके हमरा छल करल्कै आ ओहैके हथियार बनाके हमरा मारल्कै।
मिरतुके खिल पाप चियै आ पापके सक्ती बेबस्था चियै।
कथिलेत उ बेबस्था त कोनो लोकके सिध बनाइले नै सकल्कै महज आब त ओहौसे असल दोसर आसा अपनासबके देलगेलछै, जे अपनासबके परमेस्वरके औरो लगमे पुगाइछै।