2 हरेक तरहसे फाइदे फाइदा छै। सबसे पहिने परमेस्वर आपन बचन यहुदीसबके सौप देल्कै।
उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटीसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।
मोसा उजार जगहमे अपनासबके पुरखासबसङे छेलै। ओते स्वरगदुत ओकरजरे सिनै परबतमे बोलल छेलै आ स्वरगदुतसे पाबल जिबित बचनसब इजराएलीसबके सुनेल्कै।
तोरासबके बिस्बास करला अतहेक दिन भेलछौ कि तुसब सिक्छक भ्याजेबाके चाही, महज अखुनो तोरासबके कोइ कोइ परमेस्वरके बचनके छोट छोट बात सिखाबे परलछै। तोरासबके ठोस भोजन नै, बल्की बच्चा जखा दुधके आबसेक्ताछौ।
यदि यि काम हम आपन इक्छासे करैचियै त, हम आपन इनाम पाबतियै। महज परमेस्वर हमरा यि कामके जिम्मेबारी देलाके कारनसे हम आपन करतब समैझके यि काम पुरा करैचियै।
जे बोलैबला बरदान पाबनेछै से परमेस्वरके बचनसे बोले। जे सेबा करैछै से परमेस्वरके देल सक्तिसे सेबा करे ताकी सब कामसे येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वरके परसन्सा हेबे। ओकर महिमा आ सक्ती सबदिन रहे। आमेन।
तकरबाद उ स्वरगदुत हमरा कहल्कै, “यि बचन बिस्बासयोग्य आ सत छै। अगमबक्तासबके पबितर आत्मा दैबला परभु परमेस्वर आपन सेबकसबके आब जल्दिए हैबला घटनासब देखाइके लेल स्वरगदुतके पठाइल्कै।”
तब हम ओकरा आराधना करैले ठेङहुनिया देलियै महज उ हमरा कहल्कै, “तु एहेन नै कर। हम त तोहर आ तोहर भाइ-भैयासबसङे येसुके गबाही दैबला परमेस्वरके सेबक मातरे चियै। परमेस्वरके मातरे आराधना कर। कथिलेत जे कोइ परभु येसु खिरिस्टके गबाही दैछै ओकरा परमेस्वरसे अगमबक्तासबके हौसला दैछै।”
हौ तिमोथी, जे जिम्मा परमेस्वर तोरा देने छौ ओकरा निकसे देखभाल कर। परमेस्वरके अपमान हैबला मुरुख बातसबसे आ कतहेक लोक परमेस्वरके बिरोध करैबला बातके “ग्यान” कैहके मानने छै तै झुठ बातसबसे अलग रह।
महज उसब देखल्कै कि, जनङ परमेस्वर हमरा गैर-यहुदीसबके बिचमे सुसमाचार सुनाइके लेल जिम्मा देनेछेलै, ठिक ओहिनङे यहुदीसबके बिचमे सुसमाचार सुनाइके लेल पतरुसके जिम्मा देने रहै।
परमेस्वर आपनेसे खिरिस्टमे रैहके सन्सारके सब लोकसबके अपराधके लेखा नै ल्याके मिलापमे आइनरहलछेलै। आबसे यि मिलापके सेबा अपनासबके जिम्मा देनेछै।
महज कतहेक गोरा बिस्बास योग्य नै भेलै त, कि भेलै? उसब बिस्बास योग्य नै भेलै त कि परमेस्वर आपन बचन पुरा नै करतै से?
तुसब, परमेस्वर कथि चाहैछौ से जानैचिही आ असल कथि चियै सेहो जानैचिही कथिलेत बेबस्थासे तुसब सिखनेचिही।
जे सुसमाचार बहुत बरिस पहिने परमेस्वर देबै कैहके परतिग्या करने छेलै। अकरे बारेमे ओकर अगमबक्तासब पबितर धरमसास्तरमे लिखने छेलै।
तुसब यि सोइचके धरमसास्तर निकसे परहैचिही कि, ओइमे अनन्त जिबन छै, महज एह्या धरमसास्तर हमर बारेमे गबाही दैछै।
कोइ कोइ एहेन कहैले सकैछै: यहुदी भेलापर कोन फाइदा छै? कि खतना कैरके कोनो लाभ भेलै त?