19 बेबस्थाके बात त बेबस्थाके अधिनमे रहैबला लोकसबके लेल चियै कैहके हमरासबके थाहछै। ओहैसे परमेस्वर सन्सारके नियाय करैतखिना हम पाप नै करनेचियै कैहके बहाना बनाबे नै सक्तै।
बेबस्था पालन कैरके धरमी हैले चाहैबलासब सरापके अधिनमे रहैछै कथिलेत पबितर धरमसास्तर कहैछै, “बेबस्थाके किताबमे लिखल सब बात नै मानैबला लोकसब सरापित हैछै।”
ओहेन छै त, कि हम यहुदीसब औरोसे असल चियै त? कदापी नै चियै। यहुदी आ गैर-यहुदी दुनु समान रुपसे पापके अधिनमे छै कैहके हम पहिने देखाइने चियौ।
महज तुसब पबितर आत्माके अगुवाइसे चलैचिही त, तुसब बेबस्थाके अधिनमे नै चिही।
ताकि कोनो लोक परमेस्वरके अगा घमन्ड नै करे।
कथिलेत सबलोक पाप करने छै आ परमेस्वरके महिमा तक पुगैले चुकल छै।
बेबस्थाके अधिनमे रहैले चाहैबलासब हमरा यि कह, बेबस्था कि कहैछै तोरासबके थाह नै छौ?
बेबस्थाके अधिनमे रहैबलासबके दाम तिरके छुटकरा दैले उ पठ्याल गेलै ताकि हमसब बेटाके पुरा हक पाबैले सकी।
सन्सारके सिरिस्टी हैतकालसे ओकर बन्याल चिजसबसे लोकसब परमेस्वरके जानैले सक्तै। परमेस्वरके अनन्त सक्ती आ इस्वरीय स्वभावसब जखा नै देखाइबला गुनसब सेहो उसब सिरिस्टी करल चिजसबसे साफ-साफ बुझैले सक्तै। ओहैसे ओइसबके बहाना बनाबैबला कोनो कारन नै छै।
ओकर यि बात सुइनके पहिने बुढवासबसे ल्याके छोटकातक एक-एक कैरके ओतेसे चैलगेलै। अन्तमे ओते येसु असगरे रैहगेलै आ उ जनी ओकर अगा ठार भ्याल रहलै।
पक्का पुरा करतै, सब लोक आपन बचन पुरा नै करतै तैयो परमेस्वर आपन बचनके पुरा करतै। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “बोलि-बचनमे अहाँ ठिक ठहरलचियै, नियाय हेतै त अहाँके जित हेतै।”
हरेक तरहसे फाइदे फाइदा छै। सबसे पहिने परमेस्वर आपन बचन यहुदीसबके सौप देल्कै।
महज ‘उसब हमरा बिना कारन घिरना करल्कै’ कैहके ओइसबके बेबस्थामे लिखल बचन पुरा हैकेलेल यि सब भेलै।