11 परमेस्वरके बात बुझैबला लोक कोइ नै छै, परमेस्वरके खोजैबला कोइ नै छै।
कथिलेकी अपनोसब एकबेर मुरुख, ककरो कहल नै मानैबला आ भुलमे परल छेलियै। बहुतो तरहके देहके खराब इक्छासब आ भोगबिलासमे फसल छेलियै। अपनासब दुस्ट आ डाहके जिबन बिताबै छेलियै। अपनासब दोसरके घिरना करैत रहियै त उहोसब अपनासबके घिरना करैछेलै।
पाप स्वभाबके इक्छामे चलैबला लोक परमेस्वरके बिरोधी रहैछै, कथिलेत उसब परमेस्वरके बेबस्था पालन नै करैछै आ करैयोले नै सकैछै।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।
उसब परमेस्वरके सत ग्यानके बेकाम ठानल्कै। ओहैसे परमेस्वर ओकरासबके ओहैसबके कुबिचारमे छोइरदेल्कै।
उसब आपनेके बुधियार ठानल्कै महज मुरुख भेलै।
जे लोक परमेस्वरके राजके बचन सुइनके नै बुझैछै, उ लोक रस्ताकातमे परल बिचहन जखा चियै। तब सैतान आइबके ओकर हिरदयमे भेल्हा बचन छिनके ल्याजाइछै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “धरमी कोइ नै छै, एकोटा नै छै।
सबलोक परमेस्वरके रस्तासे भटैकके दुर चैलगेलछै, सबलोक काम नै लागैबला भेलछै। भलाइ करेबला कोइ नै छै, एकोटा नै छै।”