1 कोइ कोइ एहेन कहैले सकैछै: यहुदी भेलापर कोन फाइदा छै? कि खतना कैरके कोनो लाभ भेलै त?
अनेक किसिमके अचमके सिक्छाके भरममे नै पर। खाइ पियैबला नियमसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे हिरदय बौकार भेल असल चियै। ओहेन बिधी पालन कैरके ककरो उपकार नै भेलछै।
लोकसबके हिसाबसे कहैचियौ त, एफिसस सहरमे हम जङली जानबरसब जखा लोकसबसङे लराइ कैरके हमरा कि फैदा भेलै? यदि मरल लोक जीके नै उठैछै त “खो आ पि, कथिलेत हमसब त काइल मैर जेबै।”
तु सामरी लोकसब ओकर आराधना करैचिही जकरा जान्बो नै करैचिही। हमसब जाइनके परमेस्वरके आराधना करैचियै, कथिलेत लोकके उदार यहुदी खानदानसे आबैछै।
हरेक तरहसे फाइदे फाइदा छै। सबसे पहिने परमेस्वर आपन बचन यहुदीसबके सौप देल्कै।
ओहेन छै त, कि हम यहुदीसब औरोसे असल चियै त? कदापी नै चियै। यहुदी आ गैर-यहुदी दुनु समान रुपसे पापके अधिनमे छै कैहके हम पहिने देखाइने चियौ।