26 यदि खतना नै करैबला लोक बेबस्था पालन करैछै त कि ओकरासबके खतना करल लोकसबके जखा परमेस्वर नै मान्तै से?
तुसब खिरिस्टमे होनाइ साँचोके खतना पाबनाइ चियौ। लोकके हाथसे लगाइबला खतना नै महज खिरिस्टसे खतना भेलचिही। यि खतना तोरासबके पाप स्वभाबके सक्तीसे छुटकरा पाबैके लेल चियै।
बेबस्थाके कहल अनुसार हमसब चलैले सकी कैहके परमेस्वर अनङ करल्कै। आब हमसब आपन इक्छा अनुसार नै, महज पबितर आत्माके इक्छा अनुसार चलैचियै।
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।
एक समय तुसब केहेन छेल्ही, से याद कर। तुसब गैर-यहुदी परिबारमे जलमल छेल्ही आ देहमे खतना भेल यहुदीसब तोरासबके खतना नै करल गैर-यहुदी लोक कहैछेलौ।
कथिलेत परमेस्वर एकेटा छै। उ यहुदी आ गैर-यहुदी दुनुके बिस्बास दुवारा धरमी ठहराइछै।
तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “ए जनि, तोहर बिस्बास बहौत बरका छौ। जैहनङ तु चाहैचिही तैहनङ तोहर लेल हेबे।” तखुन्ते ओकर बेटी निक भ्यागेलै।
यदि तुसब बेबस्था पालन करैचिही त खतना करल फाइदा हेतौ। महज तुसब बेबस्था पालन नै करैचिही त, तुसब खतना नै करैबला लोकसब जखा चिही।
तु यहुदीसबसङे लिखल बेबस्थाछौ आ तोरासबके खतना भेलछौ तैयो तुसब बेबस्था पालन नै करैचिही महज गैर-यहुदीसब खतनो नै कैरके बेबस्था पालन करैछै त तुसब स्वतह दोसी ठहरल जेब्ही।
नै त खतनाके कोनो महत्व छै, नै त बेखतनाके, महज मुल बात यि चियै कि परमेस्वर अपनासबके नया लोक बनाइनेछै।