24 पबितर धरमसास्तरमे अनङ लिखल छै, “तु यहुदीसबके कारनसे गैर-यहुदीसब परमेस्वरके अनादर करैछै।”
बहुतो गोरे ओकरसबके निरलज चालचलन अपनाइतै आ ओइसबके कारन सत सिक्छाके बदनाम करतै।
एहेन सत बचन सिखा जकरा कोइयो नै काटे सके आ हमरासबके बिरोधमे उठैबला सरममे परे।
तब उसब आपने आपके बसमे राखैबला, सतबरती, दयालु आ आपन घरबलाके अधिनमे रैहके घर परिबारके सब बेबहार चलाइतै जैके कारनसे कोइयो नै परमेस्वरके बचनके बदनाम करे सक्तै।
मालिकके अधिनमे रहैबला सब दास आपन मालिकके पुरा आदर करैले परतै, ताकि कोइ नै परमेस्वरके नाम आ अपनासबके देल सिक्छाके बदनाम करे सक्तै।
“पापमे फसाइबला सन्सारके लोकसबके धिक्कार! सन्सारमे पाप करैबला जाँचसब त अबस्य आबैछै, महज धिक्कार उ लोकके, जकरसे पाप करैबला परिक्छा आबैछै!
अहैलेल हम जबान मसोमातनीसबके फेनसे बियाह कैरके बेटा-बेटी जलमाबे आ घर गिरहस्ती चलाबे कैहके सल्लाह दैचियै। ओहेन करलासे डाह करैबलासबके निन्दा करैके मौका नै भेटतै।