13 कथिलेकी बेबस्था सुइनके मातरे लोकसब परमेस्वरके नजरमे धरमी नै ठहरतै महज बेबस्था पालन करैबलासब धरमी ठहरतै।
हे पिरिय धियापुतासब, कोइ नै तोरासबके बहकाबे। धारमिकतामे चलैबला लोक खिरिस्ट जखा धरमी हैछै।
यदि तुसब बेबस्था पालन करैचिही त खतना करल फाइदा हेतौ। महज तुसब बेबस्था पालन नै करैचिही त, तुसब खतना नै करैबला लोकसब जखा चिही।
तैयो लोक बेबस्था पालन कैरके धरमी नै ठहरैछै महज खिरिस्ट येसुमे भेल बिस्बास दुवारा धरमी ठहरैछै कहैबला बात जाइनके हमसब आपनेसे सेहो बेबस्थाके काम दुवारा नै बरु खिरिस्टके बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलचियै कैहके येसु खिरिस्टमे बिस्बास करलियै कथिलेकी बेबस्थाके काम दुवारा कोइयो नै धरमी ठहरल जेतै।
खिरिस्ट धरमी छै से तुसब जानैचिही। तहैलेल निसचिन्त रह कि धारमिकतामे चलैबला सब परमेस्वरसे जलमल रहैछै।
बेबस्था पालन कैरके धरमी हैके बारेमे मोसा एहेन लिखने छै, “जे बेबस्थामे लिखल बात पालन करैछै, उ तहैसे असल जिबन जियैछै।”
महज येसु उसबके कहल्कै, “हमर माँ आ हमर भाइसब उहेसब चियै, जे परमेस्वरके बचन सुनैछै आ पालन करैछै।”
कथिलेत परमेस्वर एकेटा छै। उ यहुदी आ गैर-यहुदी दुनुके बिस्बास दुवारा धरमी ठहराइछै।
येसुमे बिस्बास करैबला जतहेक छै से सब पापसे छुटकारा पाबने छै, जे बात मोसोके लिखल धरम-नियमसे पुरा करे नै सक्ने रहै।
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “हम तोरासबके कहैचियौ, बटी उठाइबला लोक फरिसीसे बेसी धरमी ठहैरके आपन घर गेलै। कथिलेत जे आपनके बरका सोचैछै उ सबसे छोट हैछै आ जे आपनके छोट सोचैछै उ सबसे बरका हैछै।”
बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले चाहैबला खिरिस्टसे अलग भेलचिही आ ओकर अनुगरहसे दुर भेलचिही।
कथिलेत सबलोक पाप करने छै आ परमेस्वरके महिमा तक पुगैले चुकल छै।
बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे कोइयो नै धरमी ठहरतै कथिलेत लोकसब पापी छै से बात त बेबस्थे बताइछै।
यि बातसब जाइनके उ करैचिही त, तुसब धैनके हेब्ही।
हमर आपने गल्ती हमरा थाह नै छै, महज यि हमरा निरदोस चियै कैहके साबित नै करैछै। हमर नियाय परभुवे करतै।
परमेस्वर पिताके मनपरैबला साँचोके धरम-करम एह्या चियै दुखमे परल बिधुवा आ टुगर-टापरसबके देखभाल करनाइ आ सन्सारके अधलाह बातसे अलग रहनाइ चियै।