5 ओइसबके घरमे भेला हैबला बिस्बासीसबके हमर गोरलगी सुन्यादहै। हमर पिरिय सङी, इपेनितसके सेहो गोरलगी सुन्यादहै। उ एसिया परदेसमे सबसे पहिने खिरिस्टमे बिस्बास करैबला लोक चियै।
लाउडिकिया सहरमे भेल बिस्बासी भाइसबके, नुम्फासके आ ओकर घरमे जमा हैबला मन्डलीके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
ओकर घरमे जम्मा हैबला मन्डली आ अपनेसबके जखा परमेस्वरके सेबा करैबला हमरासबके बिस्बासी बहिन अप्फिया आ सहकरमी सिपाही अरखिप्पसके लेल सेहो यि चिठी लिखैचियै।
एसियाके मन्डलीसब तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। अकिलास आ पिरिस्किला आ ओइसबके घरमे भेल बिस्बासीसब सेहो परभुमे तोरासबके हिरदयसे गोरलगी पठाइनेछौ।
भाइसब तोरासबके थाहे छौ, कि स्तिफनासके परिबार अखैयामे बिस्बास करैबलासबमेसे पहिल्का चियै। उसब परमेस्वरके जनसबके सेबामे अपनाके अरपन करने छै।
कथिलेत जते दुइ या तिन गोरा हमर नाममे एक ठाम जर हेतै, तते हम तोरासबके बिचमे हेबौ।”
उसब कहियो नै जनिसबसङे देहके समबन्ध राखने छेलै आ आपनेके सुध राखने छेलै। थुमा जते जते जाइछेलै ओकर पछा लागैबला वहेसब छेलै। परमेस्वर आ थुमाके लेल पहिल्का फलके रुपमे लोकसबके बिचसे ओकरासबके मोल तिरके छुटाइने छेलै।
हम मन्डलीके एल्डर युहन्नाके तरफसे, हमर पिरिय सङी गायसके यि चिठी लिखैचियै, जकरा हम साँचोके परेम करैचियै।
उ आपन इक्छा अनुसार सत बचनसे अपनासबके लबका जलम देल्कै, ताकी हमसब ओकर सिरिस्टीके एकटा पहिल्का फल जखा भ्यासकी।
कथिलेत तुसब सहायता करैके लेल एकदमसे तयार चिही से हम जानैचियै। हम तोरासबके बारेमे माकेडोनिया परदेसके लोकसबके गर्भ कैरके कहलियै कि पौरकेसे तु अखैया परदेसमे भेल लोकसब भेटी दैकेलेल तयार चिही। तुसब उत्साहित भेलाके कारन उसब सेहो औरो बेसि उत्साहित भेलछै।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे खिरिस्ट येसुके परेरित हैकेलेल बोल्याल आ अपनासबके भाइ तिमोथीसे सेहो, कोरिन्थ सहरमे रहल परमेस्वरके मन्डलीके आ अखैया परदेसके चारुदिसन रहैबला खिरिस्टके पबितर जनसबके यि चिठी लिखैचियौ।
परभुके लेल एकदमसे मेहनत करैबाली बहिनसब तुरुफेना आ तरोफोसाके हमर गोरलगी सुन्यादहै। हमर पिरिय बहिन परसीसके सेहो गोरलगी सुन्यादहै कथिलेत उ परभुके काम करा मेहनतसे करैछै।
परभुमे हमर पिरिय सङी एम्प्लीआतसके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
कथिलेत अखैया आ माकेडोनिया परदेसमे भेल मन्डलीसब यरुसलेमके गरिब बिस्बासीसबके रुपैया-पैसा सहायता करैले इक्छा करनेछै।
यदि रोटीके पहिन्का टुकरा परमेस्वरके चरहाइचियै त, उ सब रोटी पबितर हैछै। तहिनङे गाछके जैर पबितर छै त, तकर ठाइरसब सेहो पबितर हैछै।
तकरबाद अपोलस अखैया इलाकामे जाइके बिचार करल्कै। एफिससमे रहल परभुके बिस्बासीसब ओकरा जाइले उत्साह देल्कै तब अपोलसके स्वागत करिहे कैहके ओते रहैबला चेलासबके एकटा चिठी लिखके पठाइल्कै। अखैया पुगलाके बाद अपोलस ओते परभुके अनुगरहके कारन बिस्बास करैबलासबके बहौत सहायता करल्कै।
जब अखैया इलाकाके गलियोन नामके लोक बडा-हाकिम रहै बखत यहुदीसब एकमत भ्याके पावलके बिरोध करैत ओकरा पकैरके बडा-हाकिम लग लज्याके कहल्कै,
हमसब त पारथीसब, मादीसब आ एलामीसब, मेसोपोटामियाके, यहुदियाके, कापाडोकियाके, पोन्टस आ एसियाके बासिसब चियै।
पबितर आत्मासे एसियाके परदेसमे बचन परचार करैले मनाही भेलाके कारन उसब फिरिगिया इलाका आ गलातियाके परदेससब हैतगेलै।
हमरा बचाबैले उसब आपन जिबन जोखिममे पारनेछेलै। ओइसबके हम मातरे नै महज सारा गैर-यहुदीयोके मन्डलीसब धन्यबाद दैछै।
तोरासबके लेल जिजान लग्याके काम करैबाली मरियमके सेहो गोरलगी सुन्यादहै।