15 फिलोलोगस, युलिया, नेरियस आ ओकर बहिनके, आ ओलिम्पास आ ओकरसङे भेल सब खिरिस्टके पबितर जनसबके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, ओकरा परमेस्वरके एकटा पबितर जन जखा परभुके नाममे स्वागत कर। तुसब सके जतहेक ओकर जरुरतमे सहायता कर, कथिलेत उ बहुतो लोकके आ हमरो सहायता करने छै।
तुसब रोम सहरमे भेल सब लोकसबके परमेस्वर परेम करैछै, जे परमेस्वरके पबितर लोक हैकेलेल बोल्यालगेलछै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टके परेरित, एफिसस सहरमे रहैबला आ येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला पबितर लोकसबके यि चिठी लिखैचियौ।
असिङकिरितस, फ्लेगन, हरमेस, पतरोबास, हरमास आ ओइसबसङे भेल औरो बिस्बासी भाइ-भैयासबके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
आ तुसब आपन भाइ-बहिनसबके मातरे गोरलगी करैचिही त औरोसबसे बेसी कथी करलिही? कि गैर-यहुदीके लोकसब अहिनङ नै करैछै?
महज हननिया कहल्कै, “परभु, यि लोक यरुसलेममे अहाँके चेलासबके बहौत दुख देनेछै से हम बहौत लोकसबसे सुन्नेचियै।