4 दोसरके नोकरके दोख लगाइबला तु के चिही? उ त ओकर मालिक आपन नोकर असल या खराब काम करल्कै कैहके नियाय करतै। परभुवे आपन नोकरके असल काम करैले सहायता करतै कथिलेत ओकरा सहायता करैबला सक्ति परभुमे छै।
हे लोकसब, परमेस्वरके मुहे-मुहे लागैबला तुसब के चिही? कि माटिके बरतन बनाबैबलाके “हमरा कथिले एहेन बनेलियै” कहैछै से?
तोरासबके पापमे परैसे बचाइले सकैबला आ आनन्दसाथ आपन महिमाके अगा तोरासबके निरदोस ठहराइले सकैबला परमेस्वरके परसन्सा हेबे।
अहैलेल येसुमे बिस्बास कैरके परमेस्वरके लग आबैबलासबके उ सबदिन उधार करैले सकैछै, कथिलेत ओइसबके लेल परमेस्वरसङे परथना करैले सबदिन जिबितछै।
जे लोक सब चिज खाइछै, उ सागपात खाइबलासबके घिरना नै करे। तहिनङे सागपात खाइबलासब नै खाइबलाके दोस नै लगाबे। कथिलेत परमेस्वर दुनुके सुइकार करने छै।
आब अपनासबके परमेस्वरके आदर आ सम्मान हेबे। हमर करल खिरिस्टके सुसमाचार परचारसे उ तोरासबके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकलछै। येसु खिरिस्टके बारेमे हमर करल परचार, जे जुगो-जुगसे घोसाइरके राखल छेलै, आब परकट भेलछै।
तुसब बिस्बास करलाके कारन परमेस्वरके सक्तिसे सुरक्छित रहलचिही। उ मुक्ती तोरासबके खातिर तैयार करनेछौ जे अन्तिम समयमे परगट हेतौ।
हमसब परभु येसु खिरिस्टमे बिस्बास करलियै आ परमेस्वरसे पबितर आत्मा पाबलियै। तैहनङे ओहोसब ओकरा बिस्बास करल्कै आ ओकरसे पबितर आत्मा पाबल्कै। अहिनङे परमेस्वर आपनेसे पबितर आत्मा दैछै त ओकरा रोके सकैबला हम के चियै?”
तहिनङे यदि इजराएलीसब पस्चताप कैरके बिस्बास करतै त परमेस्वर ओकरासबके फेरसे पहिनेके ठाममे कलमी बान्हतै। कथिलेत परमेस्वर ओकरासबके फेरसे कलमी बान्हैले सक्तै।