21 यदि तोहर भाइके तोहर खाइबला मासु, तोहर पियैबला निसा चिज या तोहर करैबला औरो कोनो कामसे समस्या लाबैछैत, तोरा ओइसबके छोरनाइ असल हेतौ।
तैखातिर हमर खाइबला चिजसे हमर आपने बिस्बासी भाइ नास हैछै त हमर भाइ नास नै हेबे कैहके हम कहियो मासु नै खेबै।
ओहैसे अपनासब एक-दोसरके दोस नै लगा। बरु अपनासब आपन भाइके ठेस लागैबला या बाधा दैबला काम कहियो नै करबै कैहके अठोट कर।
तब येसु घुइमके पतरुसके हपारल्कै, “ऐ सैतान, हमरसे दुर चैल जो, तु हमर लेल बाधाके कारन चिही। कथिलेत तु परमेस्वरके बातमे नै, महज लोकसबके बातमे धियान दैचिही।”
महज तोरासबके बिरोधमे हमरसङे कुछ बातसब छै, कथिलेकी तोरासबमेसे कोइ कोइ एहेनछै, जे बालामके सिक्छा मानैछै। मुरुतिके चरहाल चिज आ बेबिचार कैरके इजराएली लोकसबके पापमे फसाइके लेल बालाम बालक रजाके सिखाइने छेलै।
तुसब आपन चलैबला बाट सोझ बना ताकी तोहर टाङ नै लरबराबे बरु बौकार भ्याजाए।
ताकि तोरासबमे असल कथी चियै उ छुटयाबैले सक आ खिरिस्ट आबैबला दिनमे तुसब सुध आ निरदोस हैले सक।
कथिलेत परमेस्वरके राज खाइ-पियैबला चिज नै, महज पबितर आत्मासे आबैबला धारमिकता, सान्ती आ आनन्द चियै।
महज उ बचन ओकर हिरदयमे नै गरलाके कारन कुछदेर मातरे रहैछै। तब परमेस्वरके बचनमे बिस्बास करलाके कारन जब दुख आ सताबट आबैछै तब बिस्बाससे पछा हैट जाइछै।
महज तुसब होसियार रह, तोरासबके खाइ-पियैबला चिजसबके स्वतन्तरतासे बिस्बासमे कमजोरसबके लेल बाधाके कारन नै बने।