15 यदि तु जे खाइचिही ओइसे तोहर आपने भाइके चित दुखैछौ त, तु आपन भाइके परेमे नै करैचिही। खिरिस्ट आपन परान देके बच्याल भाइ तोहर खाइबला चिजसे नास नै हेबे।
भाइ-भैयासब, तुसब स्वतन्तर हैले बोल्याल गेलचिही। यि स्वतन्तरताके आपन पाप स्वभाबके इक्छा पुरा करैले परयोग नै कर। बरु परेमसे एक दोसरके भलाइ कर।
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
आब हम मुरुतिके चरह्याल खाइबला चिजके बारेमे कहैचियौ। अपनासब जान्बे करैचियै कि, अकर बारेमे अपनासब सङे ग्यान छै। ग्यान लोकके घमन्डी बनाबैछै महज परेम लोकके उन्नती कराबैछै।
हमसब सब गोरे आपन-आपन परोसियाके भलाइ आ बिस्बासमे बौकार बनाबैके लेल ओकरासबके खुस करैले परतौ।
खाइबला चिजके कारन परमेस्वरके कामके नास नै कर। सब चिज खाइले हैछै महज औरो लोकके बाधा हैबला हिसाबसे खेनाइ खराब चियै।
उ अपनासबके पापके दन्डसे बचाइके खातिर बलिदान भेलछै आ अपनेसबके खातिर मातरे नै, महज सन्सारमे भेल सबलोकके पापके खातिर भेलछै।
यदि हम लोकसबके किसिम-किसिमके भसा आ स्वरगदुतसबके भसामे बाज्बै महज हमरमे परेम नै छै त, हम टिङ-टिङ बजैबला घन्टी या झाइ-झाइ करैबला झाइल मातरे हेबै।
परेम करैबला आपन परोसियाके खराबी नै करैछै। तैखातिर परेम करनाइके मतलब बेबस्था पुरा करनाइ चियै।
जहिनङे इजराएलीसबके बिचमे झुठा अगमबक्तासब छेलै, तहिनङे तोरोसबके बिचमे झुठा गुरुसब देखा परतौ। उसब गुपचुपेमे नास हैबला झुठा बातसब सिखाइतौ आ मुक्ती दैबला परभुके सेहो उसब इन्कार कैरके आपन उपर जल्दिए नास लाबतै।