10 अनङ छै त तुसब कथिले आपन बिस्बासी भाइसबके दोस लगाइचिही? कथिले आपन बिस्बासी भाइसबके तुच्छ ठानैचिही? कथिलेत अपनासब सबकोइ परमेस्वरके नियाय करैबला ठामके अगा खरा हैले परतौ।
कथिलेकी हम सबगोरा खिरिस्टके नियाय आसनके सामने खरा हैलेपरतै। ताकी हमसब अइ देहमे करल असल या खराब काम अनुसारके परतिफल पाब्बै।
तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मनभितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
यि बातसब ओइ दिन हेतै जै दिन परमेस्वर हमर करल सुसमाचार परचार अनुसार येसु खिरिस्ट दुवारा लोकसबके हिरदयमे रहल गुप्त बातसबके नियाय करतै।
कथिलेत पिता ककरो नियाइ नै करैछै, महज नियाइ करैबला सब अधिकार बेटाके देनेछै,
सुसमाचार परचार करैले आ परमेस्वर येसुके जिबित आ मरलसबके नियाय करैले नियुक्त करने छै कैहके साक्छी दैले परमेस्वर हमरासबके आग्या करने छै।
उ ओहे पथल चियै, ‘जे पथलके अहाँ मिसतिरीसब बेकार समैझके छाइटदेने छेल्ही, ओह्या पथल अखुन जगके मुल खम्हा भेल छौ।’
कथिलेत सन्सारके सब लोकसबके नियाइ करैके दिन उ तोइकदेने छै। ओइ दिन परमेस्वर आपनेसे छानल लोकसे सन्सारके उचित नियाय करतौ। ओइ लोकके नियाइ करैके अधिकार छै से परमान लोकसबके देबेखातिर परमेस्वर ओकरा मरलसे जियाइल्कै।”
हेरोद आपन सेनासबसङे येसुके गिल्ला करैत ओकरा अपमान करल्कै। तकरबाद ओकरा रजासब जेहेन बस्तर लगाइछै तैहनङे बस्तर पिन्हाके पिलातसलग घुम्याके पठादेल्कै।
येसु कहल्कै, “ककरो दोस नै लगा तोरोसबके परमेस्वर दोस नै लगाइतौ।
तब आपनेमे भरोसा करैबला आ दोसरके निच सम्झैबला लोकसबके येसु यि खिसा सुनाइल्कै,