1 सबलोक सासन करैबला सासकसबके अधिनमे रहैले परतौ, कथिलेत परमेस्वर ओइसबके सासन करैबला अधिकार देनेछै। ओइसबके परमेस्वरे छान्नेछै।
सासक आ अधिकारीसबके अधिनमे रैहके ओइसबके बात माने परैछै कैहके आपन बिस्बासीसबके सिखा। भलाइके सब काममे हरदम तैयार रहेपरैछै कैहके सम्झा-बुझ्हा।
येसु जबाब देल्कै, “यदी परमेस्वर अहाँके कोनो अधिकार नै देने रहतियौ त हमर उपर अहाँके कोनो अधिकार नै रहतियै। तै खातिर हमरा तोहर हाथमे सोपै बलासब औरो बेसीसे पापके भागिदार हेतै।”
ओहिनङे तोरासबके बिचमे सामेल भेल्हासब ओहिनाइतेछै। उसब आपन सपनाके पछा लाइगके आपन देहके असुध बनाइछै, परमेस्वरके अधिकारके इन्कार करैछै, स्वरगके परानिसबके अपमान करैछै।
तुसब खिरिस्टके आदर करलाके कारनसे एक-दोसरके अधिनमे रह।
ओकर बस्तर आ जाङमे “रजासबके रजा आ परभुसबके परभु” कैहके लिखल छेलै।
बिस्बास योग्य साक्छी आ मिरतुसे सबसे पहिन्का बेर जिबित भेल सन्सारके रजा सबके रजा, येसु खिरिस्टके तरफसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले। उ अपनासबके परेम करैछै आ आपन लहुसे अपनासबके पापसे छुटकरा देनेछै।
उसब थुमाके बिरोधमे लराइ करतै महज थुमा आपनसङे बोल्याल, छानल आ बिस्बास योग्यसबके ल्याके ओकरासबके जित्तै कथिलेत उ परभुसबके परभु आ रजासबके रजा चियै।
हमरासबके पापमे फसाइबला बातसबसे दुर राखु आ दुस्टसे बचाबु। [कथिलेत राज, पराकरम आ महिमा जुगो-जुग तक अहैके चियै, आमेन।’]
तब जे-जे ओकर बातमे बिस्बास करल्कै, सेसब बप्तिस्मा लेल्कै आ ओहै दिन करिब तिन हजार लोक बिस्बासीसबके समुहमे थपेलै।
खराब बातसे हार नै मान महज खराब बातके भलाइसे जित।
तैल्याके जे सासकसबके बिरोध करतै उ परमेस्वरके बिरोध करतै। जे कोइ बिरोध करतै उसब दन्ड पाबतै।
रजा आ हाकिमसबके लेल परथना कर ताकि हमसब सुख सान्तीसे परमेस्वरके भक्ति करे आ आदरके जिबन बिताबे सकी।