17 तुसब ककरो खराबके बदला खराब नै कर। जे चिज सबलोकके नजरमे आदरनिय छै, तैमे धियान दहै।
तुसब ककरो खराबीके बदला खराबी नै कर, महज एक-दोसरके आ सके जतहेक सब लोकसबके भलाइ करैके कोसिस कर।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, दुस्ट लोकके कुछो नै कर। कोइ तोहर देहना गालमे थपराइतौ त, ओकर सामने दोसरो गाल थैप दहै।
खराबीके बदला खराबी या अपमानके बदला अपमान नै कर। बरु खराबीके बदला आसिस दहै, कथिलेकी यह्या करैके लेल परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ तुहुसब आसिस पाबबिही।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आपनेसे ककरो बदला नै ले महज परमेस्वरके करोधमे छोइरदहै। कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे परमपरभु एहेन कहैछै, “बदला लैबला काम हमर चियै, हम्ही बदला लेबौ।”
महज नर्म भ्याके आदरकेसाथ सुध बिबेकसे ओइसबके जबाफ दहै। यदि तुसब एहेन करबिही त, खिरिस्टमे भेल तोरासबके असल चालचलन देखके तोरा बदनाम करैबला आपने लाजमे परतै।
सब अधलाह बातसबसे दुर रह।
परमेस्वरमे बिस्बास नै करैबला लोकसबके बिचमे तोरासबके चालचलन निक हेबे। उसब तोरासबके खराब काम करैबला कैहके दोख लगाइतौ तैयो तोरासबके असल काम देखे आ परमेस्वर नियाय करैले आबैतखिना ओकर महिमा करे।
येसु खिरिस्टके बिस्बास नै करैबलासबसङे बेबहार करैतखिना बुइध पुगाके कर आ तोरासबके भेटल सब मौकाके पुरा रुपसे परयोग कर।
तैखातिर असल काम कैरके खराब कहैले दोसरके मौका नै दहै।
अहैलेल हम जबान मसोमातनीसबके फेनसे बियाह कैरके बेटा-बेटी जलमाबे आ घर गिरहस्ती चलाबे कैहके सल्लाह दैचियै। ओहेन करलासे डाह करैबलासबके निन्दा करैके मौका नै भेटतै।
अनङ करबिही त, खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबला लोकसब सेहो तोरासबके आदर करतौ आ तोरासबके ककरो उपरमे भर नै परे परतौ।
तोहर भेटी पैहने बेदीके कातमे राख आ जो। आपन भाइ-बहिनसे मेल कर आ तकरबाद आइबके भेटी चरहा।