15 आनन्द करैबलासबसङे आनन्द कर आ कानैबलासबसङे कान।
यदि एकटा अङके दुख हैछै त, देहके पुरे अङ दुख भोगैछै। यदि एकटा अङके आदर हैछै त, देहके पुरे अङसब एकसाथ खुसी मनाबैछै।
तुसब आपने जहलमे परल जखा जहलमे परलहासबके तुसब वास्ता कर। आपने दुख भोगल जखा अतियाचारमे परलहासबके याद कर कथिलेकी तुहुसब सरिरमे चिही।
जब ओकर परोसिया आ नातेदारसब सुनल्कै कि परमेस्वर ओकरा बहुत दया करने छै तब ओकरसङे सबकोइ खुसी मनाइल्कै।
बरनाबास ओते एलै आ परमेस्वर ओइसबके मन्डली उपर करल किरपा देखके खुसी भेलै। तुसब पुरा हिरदयसे परभुके बिस्बासमे बरहैत रह कैहके उत्साह देल्कै।
तोरासबके भेटैके ओकर एकदम इक्छाछै। उ बिमार परल बात तुसब सुनलासे उ एकदम चिन्ता कैररहलछै।
कोइ कमजोर छै त हम्हु कमजोर भेल महसुस करैचियै। जब कोइ पापमे फस्याल जाइछै त हमरा एकदमसे रिस उठैछै।
हम एबै त हमरा खुसी दैबला लोकसबसे हमर चित नै दुखे कैहके हम उ चिठी लिखने छेलियै। कथिलेकी हमरा आनन्द हेतौ त तोरोसबके आनन्द हेतौ कैहके हमरा पक्का बिस्बास छै।
बहुतो यहुदीसब मारथा आ मरियमके ओकर भाइके बारेमे चितभरोस दैले एलछेलै।
ओहैलेल हम ओकरा पठाबैके लेल औरो बेसी इक्छा करनेचियै ताकी ओकरा फेनसे देखके तुसब खुस हेब्ही आ हमरो चिन्ता कम हेतै।