14 तोरासबके सताबैबलासबके सराप नै महज आसिरबाद दहै।
खराबीके बदला खराबी या अपमानके बदला अपमान नै कर। बरु खराबीके बदला आसिस दहै, कथिलेकी यह्या करैके लेल परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ तुहुसब आसिस पाबबिही।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, आपन दुस्मनोसबसे परेम कर आ तोरासबके सताबैबलासबके खातिर परथना कर,
तुसब ककरो खराबीके बदला खराबी नै कर, महज एक-दोसरके आ सके जतहेक सब लोकसबके भलाइ करैके कोसिस कर।
खराब बातसे हार नै मान महज खराब बातके भलाइसे जित।
सरापैबलाके आसिरबाद दहै। तोरा अधलाह करैबलाके लेल परथना कर।
एकेटा मुहसे आसिरबाद आ सराप दुनु निक्लैछै। हे हमर भाइ-भैयासब अनङ त नै हैकेचाही!
तब येसु कहल्कै, “हे पिता, अकरासबके छमा कैरदियौ, कथिलेत यीसब कथी करैछै से नै जानैछै।” तब उसब येसुके बस्तर लैले चिठा लग्याके भाग लगाइल्कै।
उ ठेङहुनिया द्याके जोरसे कहल्कै, “हे परभु, यि पापके दोस अकरौरके नै लागे।” अतहेक कहलाके बाद ओकर परान छुइटगेलै।