33 आहा! परमेस्वरके धन, ग्यान आ बुधि कतहेक महान छै! ओकर निरनय करल बातके बखान कोइ नै करैले सकैछै। ओकर काम करैबला तरिका कोइ नै बुझैले सकैछै।
या कि तु परमेस्वरके महान किरपा, सहनसिलता आ धिरजके तुच्छ सम्झैचिही? परमेस्वर आपन किरपासे तोरा पापसे पस्चाताप करैके मौका देनेछौ से बात कि तोरा थाह नै छै?
अहिनङके मन्डलीसे परमेस्वरके सब किसिमके ग्यान स्वरगके ठामसबके सासकसब आ अधिकारीसबके बिचमे परकट करे।
ओकर महान अनुगरह अनुसार खिरिस्ट आपन लहु बहेलासे अपनासब उधार आ पाप छमा पाबनेचियै।
यि महान रहसके बात गैर-यहुदीयो लोकसब बुझे कैहके परमेस्वरके योजना चियै। यि रहसके बात एह्या चियै, खिरिस्ट तोरासबमे बास करैछौ, जे गौरबके आसा चियौ।
उ अहैलेल अनङ करल्कै कि आपन दया करल लोकसबके महान महिमा देखाइले चाहल्कै। ओकर दया करल आ महिमाके लेल सुरुवेसे तैयार करल लोकसब हमसब चियै।
यि काम परमेस्वर अपनासबके येसु खिरिस्टमे करल असिम अनुगरह कतेक महान छै कैहके आबैबला सब दिनमे देखाइके लेल करल्कै।
ओकर महान सम्पैत आ आत्मासे तोरासबके सक्ती मिले। उ सक्ती तोरासबके आत्म बल बरहैत जाए कैहके हम परमेस्वरसङे परथना करैचियौ।
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
तब तुहुसब खिरिस्टके पबितर लोकसबसङे खिरिस्टके परेमके लम्बा, चौरा, उच आ गैहर कतहेक छै, से बात बुझैले सकबिही।
परमेस्वर पबितर आत्मासे अपनासबके यि बात परकट करने छै। कथिलेकी पबितर आत्मा सब बात खोजैछै, अतहेक तक कि परमेस्वरके रहसके बातसब सेहो खोजि करैछै।