32 कथिलेत सबलोक दया पाबे कैहके परमेस्वर ओइसबके अटेरमे छोइरदेनेछै।
महज येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके परमेस्वरके परतिग्याके आसिस पाबैले सके कैहके सबके पापके अधिनमे राखल छै कैहके धरमसास्तर कहैछै।
ओहेन छै त, कि हम यहुदीसब औरोसे असल चियै त? कदापी नै चियै। यहुदी आ गैर-यहुदी दुनु समान रुपसे पापके अधिनमे छै कैहके हम पहिने देखाइने चियौ।
अहिनङ कैरके, येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला सबके परमेस्वर धरमी ठहराइनेछै, कथिलेत उ ककरो भेदभाव नै करैछै।
जब हम पिरथिबीसे उपर उठ्याल जेबै तब सब लोकसबके हम आपन दिसन तान्बौ।”
ओकरेसे सबकोइ इजोतमे बिस्बास करे कैहके इजोतके गबाही दैले उ साक्छी भ्याके एलै।
एकटा लोक आदमके आग्यापालन नै करलाके चल्ते बहुतो लोक पापी भेलै, तहिनङे एकटा लोक खिरिस्टके आग्या पालनके चल्ते बहुतो गोरा परमेस्वरके अगा धरमी ठहरतै।
परमेस्वर तोरासबके किरपा करल्कौ। ओहिनङे उहोसब एक दिन किरपा पाबे कैहके अखुन उसब आग्यापालन नै करैछै।
खिरिस्टमे बिस्बास करैबला बाट परकट नै हैसे पहिने हमसब बेबस्थाके अधिनमे छेलियै आ हमसब कैदी जखा भेलछेलियै।