31 परमेस्वर तोरासबके किरपा करल्कौ। ओहिनङे उहोसब एक दिन किरपा पाबे कैहके अखुन उसब आग्यापालन नै करैछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके एकटा रहसके बात थाह हेबे कैहके चाहैचियौ। उ बात तोरासबके थाह हेतौ त तुसब आपनेके बुधिमान ठाइनके घमन्ड नै करबिही। उ रहसके बात यि चियै कि, खिरिस्टमे आबैबला गैर-यहुदीसब बिस्बास नै करैतक बहुतो इजराएलीसबके हिरदय कठोर हेतै।
कथिलेत इजराएलीसब परमेस्वरके असुइकार करलासे सन्सारके लोकसबके ओकरसङे मिलाप भेलै त, ओकरासबके आपन बनाइतै त झन कतहेक निक हेतै! यि त मरलसे जिबित भेल जखा हेतै।
महज सुनैबला लोकसब सुसमाचारके सुइकार नै करल्कै, कथिलेत यसैया अगमबक्ता कहैछै, “हे परभु, हमरासबके परचार करल सुसमाचारमे के बिस्बास करने छै से?”
पहिने तु गैर-यहुदीसब परमेस्वरके आग्यापालन नै करैछेल्ही, महज आब यहुदीसब आग्यापालन नै करला कारनसे परमेस्वरके किरपा तोरासबके भेटल छौ।
कथिलेत सबलोक दया पाबे कैहके परमेस्वर ओइसबके अटेरमे छोइरदेनेछै।