21 परमेस्वर असल ठाइर, इजराएलीसबके बाकी नै राखल्कौ त, कि तोरासबके छोरतौ?
तोरासबके यि सब बात थाहे छौ तैयो किछ बात याद कराइले चाहैचियौ कि परमपरभु आपन लोकसबके मिसर देससे छुटकरा कैरके आनल्कै। महज ओइसबमेसे बिस्बास नै करैबला सबके पाछे बिनास कैरदेल्कै।
महज तुसब एहेन कहैले सकैचिही, “हमसब कलमी बान्हैले सकी कैहके ठाइरसब काटल छेलै।”
परमेस्वर आपने निज बेटाके बचाके नै राखल्कै, महज ओकरा अपनेसबके लेल देल्कै त, कि उ अपनासबके जम्मे चिज ओकरसङे नै देतै से?
तहिनङे कतहेक काम नै लागैबला ठाइर काइटके फेकल जखा कतहेक यहुदीसब परमेस्वरके छोइरके गेलै। महज तु गैर-यहुदीसब जङगली जैतुनके ठाइर जखा भेलोपरभी असल जैतुनके गाछमे कलमी बान्हल चिही। आब तुहुसब असल जैतुनके गाछसे सक्ति आ जिबनके रस पाबनेचिही।
यि बात सत चियै कि, इजराएलीसब बिस्बास नै करलासे ठाइर जखा काइटके फेकल रहै। तुसब बिस्बास करलासे कलमी बान्हल गेलचिही। ओहैसे घमन्ड नै कर बरु परमेस्वरके डर मान।
परमेस्वर कतहेक दयालु आ कठोर छै से दुनुबात बिचार कर। उ बिस्बास नै करैबलासबके लेल कठोर हैछै महज तुसब ओकर अनुगरहमे सरन लेब्ही त उ तोरासबके दया देखाइतौ। नै त तोरासब काइटके फेकल ठाइर जखा हेब्ही।