1 ओहैसे आब हम तोरासबके कहैचियौ, “कि परमेस्वर आपनेसे छानल इजराएलीसबके त्यागने छै त?” कहियो नै! कथिलेत हम्हु एक इजराएली आ अबराहमके बंसमे जलमल बेन्यामिन कुलके चियै।
कि उसब हिबरु चियै? हँ हम्हु चियै। कि उसब इजराएली चियै? हँ हम्हु चियै। कि उसब अबराहमके खानदानके चियै? हँ हम्हु चियै।
जलम भेलाके आठम दिनमे हमर खतना भेलै। हम इजराएल जातिके, बेन्यामिन कुलके खाटी हिबरु चियै। बेबस्थाके बिसयमे कहबै त हम एक फरिसी चियै।
“हम आपन जातीके बिच आपन देसमे आ यरुसलेममे आपन बचपन कनङके बितेलियै से बात यहुदीसब निकसे जानैछै।
तब पावल कहल्कै, “हम किलिकियाके टारसस सहरमे जलमल यहुदी चियै, महज हमर अहै यहुदी सहरमे गुरु जी गमलिएलके चरनमे सिक्छा-दिक्छा भेलै। हमसब पिते-पुरखासे मानैत ऐल धरमसास्तरके सिक्छा हम असलसे सिख्ने चियै। आइ अहाँसब परमेस्वरिय सेबा परति जतहेक उत्साह देखेने चियै, हम्हु ओतबेहेक उत्साह देखेने रहियै।
यदि हमर आपने जातिके इजराएली लोकसब मुक्ती पाबैछै त, हम खिरिस्टके सराप सहैले आ ओकरसे अलगो हैले तयार चियै।
पक्का पुरा करतै, सब लोक आपन बचन पुरा नै करतै तैयो परमेस्वर आपन बचनके पुरा करतै। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “बोलि-बचनमे अहाँ ठिक ठहरलचियै, नियाय हेतै त अहाँके जित हेतै।”
उ आइबके सब बटिदारसबके माइरदेतै आ अङगुर खेत औरो लोकसबके द्यादेतौ।” लोकसब यि बात सुइनके कहल्कै, “एहेन कहियो नै हेबे!”
तैल्याके हम तोरासबके पुछैचियौ, “कि इजराएलीसब ठेस लाइगके फेनसे उठैले नै सकैबला भेलछै से?” नै! उसब बिस्बास नै करलासे गैर-यहुदीसब मुक्ती पाबल्कै। यि देखके इजराएलीसब डाह करे कैहके परमेस्वरके इक्छा छेलै।