7 या मन-मने एहनो नै कह, “खिरिस्टके अपनासब लग उपर लाबैले निचा पतालमे के जेतै?”
भेंरासबके महान चरबाहा अपनासबके परभु येसु आपन लहु बहाके सबदिन रहैबला करार बान्हनेछै। ओहै लहुके आधारमे सान्ती दैबला परमेस्वर ओकरा मिरतुसे फेनसे जियाइल्कै।
जिबित हैबला हम्ही चियै। हम मरल छेलियै महज आब सबदिनके लेल जिबित चियै, मिरतु आ पतालके कुजीसब हमर हाथमेछै।
येसु स्वरगमे गेलै आ सब स्वरगदुतसब, अधिकारसब आ सक्तीसबके बसमे कैरके परमेस्वरके दहिनाकात बिराजमान भेल छै।
कथिलेकी अपनासबके परमेस्वरमे आनैके लेल खिरिस्ट धरमी भ्याके सेहो अधरमीसबके पापके लेल एकबेर सबदिनके लेल मरलै। उ देहमे मरलै महज परमेस्वर ओकरा आत्माके सक्तीसे जिबित करल्कै।
येसु अपनासबके पापके खातिर मारलगेलै आ अपनासबके धरमी ठहराइके लेल जिबित कर्याल गेलै।
तब भुतसब येसुके बिन्ती करल्कै, “हमरासबके निक्ले नै सकैबला गैहर खाइधमे नै पठाबु।”