14 महज जे ओकरमे बिस्बासे नै करने छै, उ कनङके ओकरा पुकारतै? जकर बारेमे सुन्बे नै करने छै, तकरमे कनङके बिस्बास करतै? ओकर बारेमे कोइ परचार नै करतै त कनङके सुन्तै?
ठिक समयमे उ आपन बचन परगट करल्कै। जे बचन सुनाबैले अपनासबके मुक्तीदैबला परमेस्वरके आग्यासे हमरा जिम्मा देने छै।
बिस्बास बिना परमेस्वरके खुसी करनाइ असम्भवछै, कथिलेकी जे परमेस्वरके नजदिक आबैछै, उ परमेस्वर छै आ ओकरा खोजैबलासबके इनाम देतै कैहके पक्का बिस्बास करेपरतै।
तब उ बडा हाकिम जबाब देल्कै, “जाबेतक हमरा कोइ नै बुझाइतै ताबे तक हम कनङके बुझबै?” तब उ फिलिपके रथमे चहैरके हमरसङे बैठु कैहके बिन्ती करल्कै।
बिस्बास साथ करल परथनासे बिमारी निक हेतै तब परभु ओकरा निक कैरदेतै। उ लोक पाप करने रहतै तैयो छमा पाबतै।
तैयो परभु हमरसङे रैहके हमरा सक्ती देल्कै। तहैले हम गैर-यहुदी लोकसबके परमेस्वरके सुसमाचार निकसे सुनाबे सकलियै। अहिनङे परभु हमरा सिंहके मुहसे बचेल्कै।
साँचोके तुसब येसुके सिक्छा सुइनके ओकर चेला भेलाके कारन, ओकर बारेमे सत बात सिखनेचिही।
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
उ ओकरासबके पुछल्कै, “कि तुसब परभुमे बिस्बास कैरके पबितर आत्मा पाबलिही?” तब उसब कहल्कै, “नै, हमसब त सुनन्हु नै चियै कि पबितर आत्मा हैछै।”
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर अपनासबके अनुगरह कैरके परेरित बनेल्कै। सब जातीके लोकसब बिस्बास करे आ ओकर कहल बात माने कैहके हमरा ओकर नाउमे पठाइनेछै।
उ जबाब देल्कै, “परभु, उ के चियै? हमरा कहु आ हम ओकरमे बिस्बास करबै?”
उ आइबके परमेस्वरसे लग भेल यहुदी आ दुर रहल गैर-यहुदी दुनुके बिचमे मेलमिलाप कराइले सुसमाचार सुनाइल्कै।
उसब जबाब देल्कै, ‘हमरासबके अखुनतक कोइ नै बारीमे काम करैके लेल अरहाइल्कै।’ उ गिरहत ओइसबके कहल्कै, ‘तुहुसब हमर अङगुर बारीमे ज्याके काम कर।’