28 उसब परमेस्वरके सत ग्यानके बेकाम ठानल्कै। ओहैसे परमेस्वर ओकरासबके ओहैसबके कुबिचारमे छोइरदेल्कै।
कथिलेत उसब परमेस्वरके चिन्हीयोके ओकरा आदर नै करल्कै, नै त धन्यबाद देल्कै, महज उसब आपन बिचारमे बेकम्मा भेलै आ ओइसबके मुरुख हिरदय औरो अन्हारसे भरलै।
उसब परमेस्वरके जानैछै कैहके दाबी करैछै महज ओइसबके बेबहारसे उसब परमेस्वरके इन्कार करैछै से बात देखाइछै। उसब घिनलागैबला आ अटेरी हैछै आ कोनो असल काम करे लाएकके नै छै।
अहैलेल ओकरासबके हिरदयसे चाहना करल बेबिचारमे परमेस्वर ओकरासबके छोइरदेल्कै आ उसब एक दोसरसङे घिनलागैबला काम कैरके आपन देहके अपबितर बनाइल्कै।
जनङ यान्नेस आ याम्बरेस मोसाके बिरोध करने रहै, तैहनङ यि लोकसब सत्यताके बिरोध करैछै। अकरौरके बुइध भरस्ट भ्यागेल्छै आ बिस्बास हराएल छै।
तब परमेस्वरके नै चिन्हैबलासब आ परभु येसुके सुसमाचारके नै मानैबलासबके सजाय देतै।
होसमे या आ आबसे पाप नै कर। कथिलेत तोरासबमेसे कतहेक गोरे परमेस्वरके नै चिनहने चिही। यि त तोरासबके लेल सरमके बात चियौ।
परमेस्वर स्वरगसे आपन करोध पाप आ दुस्ट काम करैबला लोकसबके उपरमे परलछै। जेसब आपन दुस्ट कामसे सतके दबाके राखनेछै।
निरलज, मुरुख आ खराब बचनसब तोरासबके मुहसे नै निक्ले, यि बात ठिक नै चियै। बरु अकर बदलामे त परमेस्वरके धन्यबाद दैबला काम हेबे।
ओहैसे परमेस्वर ओकरासबके घिनलागैबला बेबिचारके इक्छामे ओइसबके छोइरदेल्कै। ओइसबके घरबालीसब आपन घरबलासङे स्वभाबिक सहवास राखैके छोरके जनी जनीसङे घिनलागैबला सहबास करल्कै।
परमेस्वर आपन बचनसे स्वरग आ पिरथिबी सिरिस्टी करल्कै से बात उसब जानियोके अन्जान जखा करैछै। पिरथिबी पानीसे आ पानी दुवारा बनलगेलै।
तोरा कथि करैके चाही, से आग्या दैकेलेल खिरिस्टमे हमरा साहस रहलो परभी,
परमेस्वरके सत ग्यानके बिरोधमे उठैबला बहस आ घमन्डसे भरल बाधाके हमसब नास करैचियै आ सब खराब बिचारके खिरिस्टके आग्यापालन कराबैले बसमे करैचियै।
लोकसब मैरके जि उठैछै से बात सुइनके ओतेका कतहेक लोक पावलके मजाक उराइल्कै। महज कोइ-कोइ कहल्कै, “यि बात फेनो हमसब सुनैले चाहैचियै।”
कथिलेत यि सहरमे घुमफिर करैत अहाँसबके पुजो करैबला ठामसब देखलियै। हम अहिनो एकटा बेदी देखलियै जैमे, ‘अनजान भगबान खातिर’ खोइधके लिखल देखलियै। अहैले अहाँसब अकरा अनजानमे पुजा करैचियै, ओह्या परमेस्वरके हम अखुन अहाँसबके बिचमे सुनाइ चियै।