तै खातिर आपनौरके परभुके गबाही दैले लाज नै मान आ हम ओकरलेल जहलमे परलियै से बात सोइचके लाज नै मान। महज परमेस्वरके सक्तीमे सुसमाचार सुनाइबला कामके लेल दुख भोगैले तु हमरसङे सामेल हो।
तब अहै खातिर हम दुख उठाइचियै। महज यि बातके खातिर हम लाज नै मानैचियै, कथिलेत हम ककर उपर बिस्बास करनेचियै से हम निकसे जानैचियै। हम जे कुछ परमेस्वरके सौपने चियै, उ आपन आबैबला दिनतक सुरक्छित राख्तै कैहके पुरा भरोसा छै।
यदि तोरासबसे औरो परचार करैबलासब मुनासिब हकके दाबी करैछौ त कि हमरासबके झन बेसी हक नै छै? महज यि हक हमसब उपयोग नै करनेचियै। खिरिस्टके सुसमाचार सुनाबैले कोनो बाधा नै हेबे कैहके सबकुछ सैहके रहैचियै।
ओकर एहेन बात सुइनके यहुदीसब आपसमे कहल्कै, “यि लोक कते जाइले लागलछै जे हमसब ओकरा नै भेटाइबै? कि उ गिरिक देसमे तितर-बितर भेल यहुदीसब लग जेतै आ गिरिकियोसबके सिक्छा देतै?