10 उसब जोर-जोरसे एहेन कहल्कै, “सिंहासनमे बिराजमान हैबला अपनासबके परमेस्वर आ थुमासे मुक्ती आबैछै।”
तकरबाद हम स्वरगमे लोकसबके बरका भिरके आबाज जखा एहैन कहैत सुनलियै, “हालेलुयाह! मुक्ती, महिमा आ सक्ती अपनासबके परमेस्वरके चियै!
तब हम स्वरगमे एहेन कहैत एकटा बरका अबाज सुनलियै, “आबसे अपनासबके परमेस्वर उधार करल्कै आ उ आपन राजकिय सक्ती देखेल्कै। आब ओकर खिरिस्ट अधिकार देखाइने छौ। आब अपनासबके भाइ-भैयासब दिन-रात परमेस्वरके अगा दोख लगाइबला सैतान स्वरगसे निकाइलके फेक देल्कै।
आबसे उ सहरमे परमेस्वरके सरापके कोनोभी बात नै रहतै। परमेस्वर आ थुमाके सिंहासन ओते रहतै आ ओकर सेबकसब ओकरा सेबा करतै।
कथिलेकी परमेस्वरके अनुगरहसे तुसब बिस्बाससे बच्याल गेलचिही। तुसब आपनेसे कोसिस कैरके नै, यि त परमेस्वरके देल बरदान चियौ।
तकर बिहानके युहन्ना येसुके आपन दिसन आबैत देखके कहल्कै, “देख, यि सन्सारके पाप उठाके लजाइबला परमेस्वरके थुमा चियै।
तब सिंहासनमे बिराजमान रहैबला परमेस्वर कहल्कै, “देख! हम सबचिज लया बनाइबै।” उ हमरा अहिनङो कहल्कै, “यि लिख, यि बात बिस्बासयोग्य आ सत छै।”
तब सब लोकसब परमेस्वरके मुक्ती देख्तै।’”
थुमा अगा जाके सिंहासनमे बैठलहाके दहिना हाथसे उ कागतके मुठा लेल्कै।
सिंहासनके अगा समुन्दर जखा देखाइबला चिज छेलै। उ चिज सिसा जखा सफा देखाइछेलै। आँखे आँख भेल चारटा जिबित परानी सिंहासनके अगा आ पछा कैरके चारुकातसे घेरनेछेलै।
तु सामरी लोकसब ओकर आराधना करैचिही जकरा जान्बो नै करैचिही। हमसब जाइनके परमेस्वरके आराधना करैचियै, कथिलेत लोकके उदार यहुदी खानदानसे आबैछै।
येसुके लगे बाटे जाइत देखके उ कहल्कै, “देख, एह्या चियौ परमेस्वरके थुमा।”