18 अहैलेल हम तोरा यि सल्लाह दैचियौ कि, धनिक हैकेलेल आइगसे खारल निखुर सोना हमरसे किन। आपन नाङट आङके लाज झापैके लेल उजर बस्तर हमरसे किनके लगा आ आँखसे देखे सकैबला हैकेलेल हमरे मलहम किनके लगा।
“देख, हम चोर जखा अनचेकेमे एबौ। उ लोक धैनके चियै, जे जागल रहैछै आ आपन बस्तरके जोग्याके राखैछै। उ लोकके नाङटे चले नै परतै आ लोकसबके बिचमे लाजमे नै परतै!”
नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।
ओकरा चमकदार आ साफ मलमलके बस्तर पिन्हैले देल्कै।” चमकदार मलमलके बस्तर त परमेस्वरके पबितर जनसबके धारमिक कामसब चियै।
तकरबाद एकटा धरमगुरु हमरा पुछल्कै, “यि उजर बस्तर लगाइबलासब के चियै आ कतेसे एलछै?”
“स्वरगके राज खेतमे गारल बहुत अनमोल धन जखा चियै, जे कोनो एकटा लोकके भेटैछै, ओकरा उ माइटके तरमे गाइरके राखैछै आ खुसी हैत जाइछै आ आपन सब धन-सम्पती बेचके ओहे खेत किनैछै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, सुन। कि परमेस्वर सन्सारके गरिबसबके बिस्बासमे धनिक बनाके ओइ राजके हकदार हैकेलेल नै चुन्ने छै? ओह्या राज ओकरा परेम करैबलासबके उ दैले परतिग्या करनेचियै नै?
हम धनिक चियै आ हमरा कोनो चिजके कमी नै छै कैहके कहैचिही महज तोरा आपने दसा थाहे नै छौ कि तु दुखी, दया लागैबला, गरिब, आन्हर आ नाङटे चिही।
हमरा तोहर कस्ट आ तोहर गरिबी थाहछै। महज बास्तममे तु धनिक चिही। हम ओकरासबके चिन्हैचियै, जे आपनके यहुदी त चियै कहैछै, महज बास्तममे नै चियै। उसब तोहर बिरोध करल निन्दा हम जानैचियै। उसब त सैतानके लोकसब चियै।
कथिलेकी अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबके थाहे छौ, उ धनिक छेलै तयौ तोरासबके लेल उ गरिब भेलै ताकि ओकर गरिबीसे तुसब धनिक बनैले सक।
कथिलेकी जब अपनासब स्वरगिय देह बस्तर जखा लगाइबै, तब अपनासब स्वरगमे आत्मा सहितके देह पाब्बै।
तब येसु फेनो ओकरा कहल्कै, “आपन खातिर कतबो धन समपैत जमा कैरले, महज परमेस्वरके नजरमे धनिक नै भेल लोकके दसा ऐहनङ हैछै।”
महज बुधिमती कनियासब उतर देल्कै, ‘हमरासब आ तोरासबके पुगैबला बेसी तेल नै छौ, बरु असल यि हेतौ कि दोकानमे ज्याके आपन लेल तेल किनके आइनले।’
आन लोकके भलाइ करैले, असल काममे धनिक हैले, खाचोमे परलहा लोकसबके सहायता करैले आ आपनसङे भेल चिज औरोसबके दैले ओइसबके कह।
उ सिंहासनके चारुओर चौबिसटा सिंहासनसब छेलै आ मुरमे सोनाके मुकुट आ उजर बस्तर पहिरने चौबिस गोरा धरमगुरुसब उ सिंहासनमे बैठल छेलै।